4 जे लोक नाम कमाबैले चाहैछै, उ घोसैरके कोनो काम नै करैछै। यदि अहाँ यि काम करैचियै त अहाँ आपनेके सन्सारमे परगट करु।”
सबकाम उ सब देखाबैके लेल मातरे करैछै। उसब आपन हाथमे आ कपारमे बेबस्थामे लिखल बातसब जन्तरमे राइखके बान्हैछै आ आपन बस्तरमे लाम-लाम फुदनासब लगाके पिन्हैछै।
“अदी साँचोके तु परमेस्वरके बेटा चिही त अतेसे निचा कुद, कथिलेत धरमसास्तरमे लिखलछै जे- ‘तोरा बचाइले परमेस्वर आपन स्वरगदुतसबके पठाइतौ आ तोहर टाङमे चोट नै लागे कैहके उसब तोरा हाथे-हाथ लोइकलेतौ।’”
“जब तुसब उपास बैठैचिही तब कपटी जखा उदास चेहरा नै देखा। कथिलेत लोकसबके उपास बैठल देखाइले उसब आपन मुह मलिन करने रहैछै। साँचे हम तोरासबके कहैचियौ, ओकरासबके मिलैबला पुरे इनाम मिलगेलछै।
“जब तुसब परथना करैचिही त, तखुन कपटी जखा नै बन, कथिलेत उसब सभाघरसबमे आ रस्ताके कात-करौतके लोकसब देखे कैहके ठरा भ्याके परथना करैछै। साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके आपन इनाम मिलगेलछै।
असल लोक आपन मनके भितरसे असल बात निकालैछै। खराब लोक आपन मनके भितरसे खराबे बात निकालैछै। कथिलेत जे बात मनके भितरमे रहैछै ओहिना बात बोलैछै।”
तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “हम त सबकोइ सुने कैहके खुलमखुला कहनेचियौ। हम हरदम सभाघरसब आ मन्दिरमे आपन सिक्छा देलियै, जते यहुदीसब जमा हैछै। हम आपन सिक्छा गुप्तमे नै देने चियै।
तैखातिर ओकर भाइसब ओकरा कहल्कै, “यि ठाम छोइरके यहुदिया चैलजाउ, कि अहाँ जे कामसब कैररहल चियै से ओतेका चेलासब सेहो देखे।
कथिलेत ओकर आपने भाइसब ओकरा बिस्बास नै करैछेलै।