35 ओकर एहेन बात सुइनके यहुदीसब आपसमे कहल्कै, “यि लोक कते जाइले लागलछै जे हमसब ओकरा नै भेटाइबै? कि उ गिरिक देसमे तितर-बितर भेल यहुदीसब लग जेतै आ गिरिकियोसबके सिक्छा देतै?
आ सब जातीके लोकसब ओकरे नाममे आसा राख्तै।”
औरो जात जातीसबके रस्ता देखाइले इजोत देने चियै आ अहाँ इजराएलके सब लोकसबके लेल महिमाके इजोत चियै।”
निस्तार पाबैनमे यरुसलेममे आराधना करैले गेलसबमेसे कतहेक लोक गिरिक जातीके लोकसब छेलै।
तकरबाद येसु गालिल परदेसमे घुमफिर करल्कै। उ यहुदिया इलाका दिसन जाइले नै चाहल्कै, कथिलेत यहुदीसब ओकरा जानसे मारैले मौका ताकैछेलै।
यि बात सुइनके यहुदी अगुवासब एक-दोसरमे कहेलाग्लै, “कतौ यि आपने मरे ज्यारहल छै कि? अकर कहैके मतलब कथी चियै, ‘जते हम जेबौ, तते तुसब आबे नै सकबिही।’”
यि बात सुइनके परभुमे बिस्बास करैबला यहुदीसब पतरुसके दोस लगाइले छोइरदेल्कै आ परमेस्वरके परसन्सा करल्कै, “आब त परमेस्वर आनो जातीसबके पापसे पस्चाताप कैरके अनन्त जिबन पाबैके अबसर देने छै।”
ओइसबमेसे कोइ-कोइ साइपरस आ कुरेनीके लोकसब रहै। उसब एन्टिओखियामे आइबके औरो जातीके लोकसबके परभु येसुके सुसमाचार परचार करल्कै।
एन्टिओखिया सहरमे भेल घटना जखा आइकोनियन सहरमे सेहो भेलै। पावल आ बरनाबास यहुदीसबके सभाघरमे ढुइकके एहेन उपदेस देल्कै, कि ओतेका बहुतो यहुदी आ गिरिक लोकसब परभु येसु खिरिस्टमे बिस्बास करल्कै।
ओइसबमेसे कतहेक यहुदीसब बिस्बास कैरके पावल आ सिलासके पछा लाग्लै। अहिनङे परमेस्वरके सेबा करैबला गिरिकसब आ नाम चलल जनी ओहोसब बिस्बास करल्कै।
सब बिसराम दिनके पावल सभाघरमे ज्याके यहुदी आ गिरिक लोकसबसे बात-चित करै आ उसब सेहो परभु येसुके सुइकार करे कैहके ओकरासबके मनाइले चाहैत रहै।
उसब अहाँके बारेमे सुन्नेछै जे, गैर-यहुदीके बिचमे रहैबला यहुदीसबके अहाँ ‘मोसाके धरम नियमके आ ओकरासबके बाल-बच्चासबके खतना नै करैके आ रितिरिबाज पालन नै करैले’ कैहके सिखाइचियै।
महज परभु हमरा कहल्कै, ‘तु जो, कथिलेत हम तोरा दुर-दुर गैर-यहुदीसबके बिचमे पठाइबौ।’”
हमरा यि सुसमाचार सुनाइले लाज नै लागैछै, कथिलेकी बिस्बास करैबला सबलोकके मुक्ती दैकेलेल यि सुसमाचार परमेस्वरके सक्ती चियै, जे पहिने यहुदीसबके लेल आ बादमे गैर-यहुदीयोसबके लेल चियै।
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
यि महान रहसके बात गैर-यहुदीयो लोकसब बुझे कैहके परमेस्वरके योजना चियै। यि रहसके बात एह्या चियै, खिरिस्ट तोरासबमे बास करैछौ, जे गौरबके आसा चियौ।
अहै बातके परचार करैके लेल परमेस्वर हमरा एकटा परचारक आ परेरित हैकेलेल चुनल्कै। गैर-यहुदीसब येसुमे बिस्बास करे तै उदेस्यसे ओइसबके सत बात सिखाइके लेल उ हमरा पठेल्कै। हम एकोरती बरह्या-चरह्याके नै कहैचियौ, हम त सत बात कहैचियौ।
एह्या सुसमाचार सुनाइके खातिर हम परचारक, परेरित आ गुरु नियुक्त भेलचियै।
हम याकुब, परमेस्वर आ परभु येसु खिरिस्टके सेवक यि चिठी चारुदिसन तितर-बितर भेल्हा यहुदी खिरिस्टीयनसबके लिखैचियौ। तोरासबके हमर गोरलगीछौ।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके परेरितके तरफसे पोन्टस, गलातिया, कापाडोकिया, एसिया आ बिथिनिया परदेस भैर परदेसी भ्याके तितर-बितर भ्याके रहैबला परमेस्वरके छानल जनसबके यि चिठी लिखैचियै।