32 जब फरिसीसब भिरमे येसुके बारेमे गुदुरफुसुर करैत सुनल्कै, तब मुल पुजारीसब आ फरिसीसब ओकरा पकरैले मन्दिरके पहरेदारसबके पठेल्कै।
महज फरिसीसब सभाघरसे बाहर निकैलके ओकरा कनङके मारबै कैहके आपनेमे सल्लाह करे लाग्लै।
“तोहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब स्वरगके राजके केबार खोलैबला कुजी त लेल्ही, महज नै अपने ढुकलिही नै दोसरके ढुकैले देल्ही।
पतरुस दुरेसे ओकर पछा लागल परधान पुजारीके अङना तक गेलै। आब कथी हेतै कैहके देखैके लेल भितर ज्याके नोकरसबसङे बैठलै।
महज कतहेक गोरे फरिसीसब लग ज्याके येसुके करल कामसब सुन्यादेल्कै।
ओहैसे फरिसीसब एक-दोसरके एहेन कहेलाग्लै, “आब तुसब कुछो करे नै सकैचिही। देख, सारा दुनिया ओकर पछा लाइग गेलछै!”
तैबखत यहुदा सिपाहीसबके एकटा दल, मुल पुजारीसब आ फरिसीसबसे पठ्याल पहरेदारसबके ल्याके ओते एलै। उसब आपन साथमे लालटेम, उँकासब आ हाथ-हथियारसब बोक्ने छेलै।
तैखातिर उसब येसुके पकरैले ताकैछेलै, महज कोइ नै ओकर उपरमे हाथ लगाइल्कै। कथिलेत ओकर समय अखुन तलिक नै एलछेलै।
तब हाकिमसब कप्तानसबसङे ज्याके परेरितसबके पकैरके आनल्कै। लोकसब पथल फेकके मारत से डरसे परेरितसबके जबरजस्ती नै कैरके आनल्कै।