‘हम पितामे चियै आ पिता हमरमे छै’ से कि तु बिस्बास नै करैचिही? जे बात हम तोरासबके कहैचियौ, से बात हम आपने मनसे नै कहैचियौ। महज हमरमे रहैबला पिता यि कामसब करैछै।
कथिलेत अहाँके देल सिक्छा हम ओइसबके देनेचियै आ उसब उ सुइकार करने छै। हम अहाँसे एलचियै कैहके उसब साँचोके बुझनेछै। तब हमरा अहै पठेलियै कैहके उसब बिस्बास करने छै।
साँचोके हम तोरा कहैचियौ, जे बात हमसब जानैचियै, ओह्या बात हमसब कहैचियै आ जे बात देखने चियै ओहैके गबाही दैचियै, महज तैयो तुसब हमरासबके गबाहीके सुइकार नै करैचिही।
“हम आपनेसे कुछो करे नै सकैचियै। हम पितासे जे सुनैचियै, ओह्या अनुसार हम नियाइ करैचियै आ हमर नियाइ ठिक छै, कथिलेत हम आपन इक्छा नै महज हमरा पठाइबलाके इक्छा अनुसार करैचियै।
तहैलेल येसु कहल्कै, “जब तुसब मानबके बेटाके उपर उठाइबिही, तखन तुसब जानबिही कि हम ओह्या चियै। हम आपने मनसे कुछो नै करैचियै महज पिता हमरा जे कुछो सिखाइने छै, ओह्या बात बोलैचियै कैहके तुहुसब बुझबिही।