59 येसु यि बात कफरनहुम सहरके सभाघरमे सिक्छा दैबखत कहने छेलै।
येसु पुरे गालिल परदेसके सभाघरसबमे सिक्छा देबे लाग्लै, स्वरगके राजके सुसमाचार परचार करैत आ लोकसबमे लागल सब परकारके रोग-बिमारके निक करल्कै।
तब येसु गालिलके एकटा सहर कफरनहुममे गेलै। पबितर बिसराम दिनमे येसु सबके सिक्छा दैछेलै।
तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “हम त सबकोइ सुने कैहके खुलमखुला कहनेचियौ। हम हरदम सभाघरसब आ मन्दिरमे आपन सिक्छा देलियै, जते यहुदीसब जमा हैछै। हम आपन सिक्छा गुप्तमे नै देने चियै।
उसब नाहमे चहैरके तालके ओइपार कफरनहुम सहर दिसन जाइले लाग्लै। ओइ बखत अन्हार भेल छेलै, तैयो येसु ओइसबलग नै एल रहै।
जब भिरके लोकसब ओते नै त येसुके आ नै त ओकर चेलेसबके देखल्कै, तब उसब नाहमे चहैरके कफरनहुम सहर दिसन येसुके ताकैले गेलै।