58 यि उ रोटी नै चियै, जे तोरासबके पिता-पुरखासब खेल्कौ आ मैरगेलौ। महज जे यि रोटी खेतै, उ सबदिन जिबित रहतै।”
आ जे कोइ हमरमे जियैछै आ बिस्बास करैछै उ कहियो नै मरतै। कि तु यि बातमे बिस्बास करैचिही?”
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
अतबेहेकमे यहुदीसब ओकर बिरोध करैत गनगनाबे लाग्लै, कथिलेत उ कहल्कै, “स्वरगसे उतैरके एल रोटी हम्ही चियौ।”