52 यि बातसे यहुदीसबके बिचमे बाद-बिबाद हैले लाग्लै। उसब कहेलाग्लै, “यि लोक अपनासबके कनङके आपन देह खाइले देबेसक्तै?”
जखन यहुदी अगुवासब यरुसलेमसे पुजारी आ लेबीके युहन्ना लग “तु के चिही?” कैहके पुछैले पठेल्कै।
यि बात सुइनके यहुदीसबके बिचमे फेनो मनमोटाब भेलै।
निकोदेमस ओकरा पुछल्कै, “बुढ भ्यागेल लोक फेनो कनङके जलमतै? उ फेनो आपन माँ के कोइखमे ढुइकके कनङके जलम ल्या सकैछै?”
तब निकोदेमस ओकरा कहल्कै, “यि सब कनङ भ्यासकैछै?”
तब उ सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, अहाँसङे त पानी भरैले डोलो नै छै, इनार बहौत गैहर छै। जिबनके पानी अहाँ कतसे आन्बै?
अतबेहेकमे यहुदीसब ओकर बिरोध करैत गनगनाबे लाग्लै, कथिलेत उ कहल्कै, “स्वरगसे उतैरके एल रोटी हम्ही चियौ।”
यि बातसब सुइनके येसुके चेलासबमेसे बहुतो गोरा कहल्कै, “यि सिक्छा त एकदम करा छै। यि के माने सक्तै?”
कोनो-कोनो फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक परमेस्वर दिसनसे नै एलछै, कथिलेत उ पबितर बिसराम दिनके पालन नै करैछै।” महज दोसर लोकसब कहेलाग्लै, “जे पापी हेतै, उ एहेन अचमके चेन्हासब कनङके देखाइले सक्तै?” अहै बातमे ओइसबके आपनमे मतभेद भ्यागेलै।
लोकसब मैरके जि उठैछै से बात सुइनके ओतेका कतहेक लोक पावलके मजाक उराइल्कै। महज कोइ-कोइ कहल्कै, “यि बात फेनो हमसब सुनैले चाहैचियै।”
जै लोकमे परमेस्वरके आत्मा नै छै, उ लोक परमेस्वरके आत्माके बातसबके गरहन नै करैछै। कथिलेत एहैन बातसब ओकरलेल मुरुख बात हैछै। एहैन बात त परमेस्वरके आत्मासे मातरे बुझैले सकैछै।