49 तोरासबके पुरखा उजार जगहमे मन्न खेल्कौ, तैयो उसब मैरगेलौ।
आपन पुरखासब उजार जगहमे मन्न खेल्कै, जनङ धरमसास्तरमे लिखल छै कि, ‘उ ओकरासबके खाइके लेल स्वरगसे रोटी देल्कै।’”
यि उ रोटी नै चियै, जे तोरासबके पिता-पुरखासब खेल्कौ आ मैरगेलौ। महज जे यि रोटी खेतै, उ सबदिन जिबित रहतै।”
तोरासबके यि सब बात थाहे छौ तैयो किछ बात याद कराइले चाहैचियौ कि परमपरभु आपन लोकसबके मिसर देससे छुटकरा कैरके आनल्कै। महज ओइसबमेसे बिस्बास नै करैबला सबके पाछे बिनास कैरदेल्कै।
‘जकरा कान छै, उ पबितर आत्मा मन्डलीसबके कथी कहैछै से बात सुने। जे जित हासिल करतै, तकरा हम गुप्तमे भेल खाइबला मन्न देबै। हम ओकरासबके एकटा उजर पथल देबै, जैमे लया नाम लिखल रहतै। यि उजर पथल पाबैबला मातरे उ नाम जान्तै।’”