40 कथिलेत हमर पिताके इक्छा यि चियै, कि बेटाके ताकैबला आ ओकरा बिस्बास करैबला सबकोइ अनन्त जिबन पाबे। हम ओकरा अन्तके दिनमे मरलसे जिबित करबै।”
साँचोके, हम तोरासबके कहैचियौ, नियाइके दिनमे ओइ सहरके दसासे बरु सदोम आ गमोराके दुख सहे जोकरके हेतै।
तब उसब दन्डके भागिदार हेतै, महज धरमीसब अनन्त जिबन पाबतै।”
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
कथिलेत हम आपन आँखसे अहाँके उदार देख्ने चियै,
तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ आपनौरके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।
हम ओकरासबके अनन्त जिबन दैचियै, उसब कहियो नै नास हेतै आ कोइ नै ओकरासबके हमर हाथसे छिनके लजाबे सक्तै।
मारथा कहल्कै, “हँ, हम जानैचियै कि, अन्तके दिनके पुनरुथानमे फेनो उ जिबित भ्याके उठतै।”
तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै।
जे हमरा देखैछै, उ हमरा पठाइबलाके देखैछै।
हम जानैचियै कि ओकर आग्या अनन्त जिबन चियै। ओहैसे पिता हमरा जे कहैले लगाइनेछेलै ओह्या बात हम बाजैचियै।”
उ पबितर आत्मा चियै जे सब सत्यतामे अगुवाइ करैछै। जकरा सन्सार गरहन नै करे सकैछै कथिलेत सन्सार ओकरा नै देखैछै नै चिन्हैछै। महज तुसब ओकरा चिन्हैचिही कथिलेत उ तोरासबसङे-सङे रहतौ आ उ तोरासबमे बास करतौ।
कुछ देरके बाद हमरा फेनो सन्सार नै देख्तै, महज तुसब हमरा देखबिही। हम जिबित भेलाके कारन, तुहुसब जिबित रहबिही।
कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
महज हमर देल पानी पियैबला फेनो कहियो नै पियासल रहतै, कथिलेत हमर देल पानी ओकर भितरसे निकलैबला पानीके मुल हेतै आ ओकरा अनन्त जिबन देतै।”
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
नास हैबला भोजनके खातिर मेहनत नै कर महज अनन्त जिबन तक रहैबला भोजनके लेल मेहनत कर, जे मानबके बेटा तोरासबके देतौ। कथिलेत परमेस्वर पिता ओकर उपर आपन छाप लगादेनेछै।”
हमरा पठाइबलाके इक्छा यि चियै, कि उ हमरा देल्हासबमेसे हम ककरो नै नास हैले देबै, महज अन्तके दिनमे उसबके जियाइबै।
हमरा पठाबैबला पिता लोकसबके हमरलग आबैके मन नै देतै त कोइ नै हमरलग आबैले सक्तै आ अन्तके दिनमे हम उसबके जियाइबै।
जे हमर देह खेतै आ लहु पितै ओकरसङे अनन्त जिबन रहतै आ अन्तके दिनमे हम ओकरा जियाइबै।
तोरासबके पुरखा अबराहम हमर आबैबला दिन देखैके लेल बहुते इक्छा करने छेलै। उ देख्बो करल्कै आ बहुत खुसियो भेलै।”
पहिने पापके सक्ती सब लोकसबके पाप करैले लगेल्कै आ मरलै। आब परमेस्वरके दयासे हमसब ओकर अगा धरमी ठहरैचियै आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा अनन्त जिबन पाबैछै।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
“अन्हारमे इजोत चम्के” कहैबला परमेस्वरे हमरासबके हिरदयमे इजोत चमकाइनेछै। अहैलेल परमेस्वरके महिमा महान चियै कैहके हमसब जानैचियै। साँचोके उ महिमामय ग्यानके इजोत खिरिस्टके चेहरामेछै।
बिस्बासके मतलब आसा करल बातमे निसचयता आ नै देखल बातमे पक्का भरोसा करनाइ चियै।
रजाके करोधसे नै डगमगाके बिस्बासकेसाथ उ मिसरदेस छोरल्कै। कथिलेकी आँखसे देखैले नै सकैबला परमेस्वरके देखल जखा कैरके उ पछा दिसन नै घुमलै।
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।
उ अपनासबके एकटा परतिग्या करने छै, उ परतिग्या अनन्त जिबन चियै।
आपनके परमेस्वरके परेममे राख आ अनन्त जिबनके लेल अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके किरपाके परतिक्छा कर।