38 हमर आपन इक्छा नै महज हमरा पठाइबलाके इक्छा पुरा करैले हम स्वरगसे एलचियै।
तैहनङे मानबोके बेटा दोसरसे सेबा लैले नै, महज सेबा करैले आ बहौत लोकसबके पापसे छुटकारा दैके खातिर आपन परान दैले एलछै।”
स्वरगसे उतैरके एल हम मानबके बेटा बाहेक कोइ नै स्वरगमे चरहल छै।
परमेस्वर त आपन बेटाके सन्सारके दोसी ठहराबैके लेल नै महज ओकरसे सन्सारके लोकसब बचे कैहके पठेल्कै।
जे उपरसे एलछै उ सबसे महान छै। सन्सारमे जलमल लोक सन्सारके हैछै आ सन्सारेके बात करैछै। महज जे स्वरगसे आबैछै उ सबसे महान छै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “हमर खाइबला चिज यि चियै, जे हम आपन पठाबैबलाके इक्छा बमोजिम करनाइ आ ओकर काम पुरा करनाइ चियै।
तब येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, बेटा स्वयम आपनेसे कुछो करे नै सकैछै, महज पिताके जे करैत देखैछै, उ ओह्या मातरे करे सकैछै, कथिलेत पिता जे-जे करैछै, बेटो ओह्या-ओह्या करैछै।
“हम आपनेसे कुछो करे नै सकैचियै। हम पितासे जे सुनैचियै, ओह्या अनुसार हम नियाइ करैचियै आ हमर नियाइ ठिक छै, कथिलेत हम आपन इक्छा नै महज हमरा पठाइबलाके इक्छा अनुसार करैचियै।
येसु ओइसबके जबाब देल्कै, “परमेस्वरके काम एह्या चियै, जे ओकरा पठाइने छै ओकर उपर बिस्बास कर।”
कथिलेत परमेस्वरके रोटी ओह्या चियै, जे स्वरगसे आइबके सन्सारके जिबन दैछै।”
उसब कहल्कै, “कि यि लोक योसेफके बेटा, येसु नै चियै? कि हमसब अकर माँ-बाबुके नै चिन्हैचियै? तब अखैन यि लोक कनङके, ‘हम स्वरगसे उतैरके एलचियौ’ कहैछै त?”
जहिनङे हमर पिता हमरा पठेल्कै आ हम ओकर कारनसे जिबित चियै, ओहिनङे हमर देह खाइबला हमर कारनसे जिबित रहतै।
कथिलेत खिरिस्ट सेहो अपना खुस करैबला काम नै करल्कै। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “अहाँके निन्दा करैबलासबके निन्दा हमरमे परलछै।”
उ उच जगहमे जेनाइके मतलब कथि चियै? अकर मतलब यि चियै कि, जे निचा पिरथिबीमे उतरल छेलै।
उ परमेस्वरके बेटा हैतोपरभी आपन भोगल दुखसे उ परमेस्वरके आग्यापालन करैले सिखल्कै।