35 तब येसु फेनो उसबके कहल्कै, “जिबनके रोटी हम्ही चियौ। जे हमरलग एतै उ कहियो नै भुखल रहतै आ हमरमे बिस्बास करैबला कहियो नै पियासल रहतै।
“हे सब थाकल आ बोझसे दाबल लोकसब, हमरलग या, हम तोरासबके बिसराम देबौ।
धिक्कार, अखन तुहे अगहेल्हासब कथिलेत तोरासबके भुखले रहेपरतौ! अखन हाँसैबलासब, तोरासबके दुख हेतौ आ काने परतौ!
तब सामरी जनी कहल्कै, “मालिक, से बात छै त हमरा ओह्या पानी दिय। तब हम फेनो कहियो नै पियासल रहबै आ अते पानीयो भरैले आबे नै परतै।”
तैयो तुसब अनन्त जिबन पाबैके लेल हमरलग आबैले नै चाहैचिही।
जकरा पिता हमरा देनेछै उ हमरलग एतै आ जे कोइ हमरलग एतै ओकरा हम कहियो नै छोरबै।
अतबेहेकमे यहुदीसब ओकर बिरोध करैत गनगनाबे लाग्लै, कथिलेत उ कहल्कै, “स्वरगसे उतैरके एल रोटी हम्ही चियौ।”
तब येसु फेनो कहल्कै, “ओहैसे हम तोरासबके कहनेचियौ, यदी पिता हमरलग आबैले नै देतै त कोइने हमरलग आबैले सक्तै।”
पबितर आत्मा आ कनिया कहैछै, “आबु!” जे लोक सुनैछै, उहो लोक कहे कि, “आबु।” जे पियासल छै, उ आबे आ जकरा इक्छा लागैछै उ जिबनके पानी मङनिएमे पिबे!
उसब कहियो नै भुखल आ पियासल रहतै। उसबके सुरुजके टहटहवा रौद या नै कोनो जराइबला धाहसे हानी करतै।