32 यि बात सुइनके येसु ओइसबके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, मोसा तोरासबके स्वरगके रोटी नै देनेछौ, महज हमर पिता तोरासबके स्वरगके साँचोके रोटी देतौ।
साँचोके इजोत उ चियै जे सन्सारके सबकोइके इजोत दैछै उ इजोत आइबरहल छेलै।
येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “साँचो अङगुरके लती हम्ही चियै आ हमर पिता किसान चियै।
आपन पुरखासब उजार जगहमे मन्न खेल्कै, जनङ धरमसास्तरमे लिखल छै कि, ‘उ ओकरासबके खाइके लेल स्वरगसे रोटी देल्कै।’”
कथिलेत परमेस्वरके रोटी ओह्या चियै, जे स्वरगसे आइबके सन्सारके जिबन दैछै।”
तब येसु फेनो उसबके कहल्कै, “जिबनके रोटी हम्ही चियौ। जे हमरलग एतै उ कहियो नै भुखल रहतै आ हमरमे बिस्बास करैबला कहियो नै पियासल रहतै।
अतबेहेकमे यहुदीसब ओकर बिरोध करैत गनगनाबे लाग्लै, कथिलेत उ कहल्कै, “स्वरगसे उतैरके एल रोटी हम्ही चियौ।”
महज हम त स्वरगसे एल रोटीके बारेमे कहैचियौ, जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ कहियो नै मरतै।
कथिलेत हमर देह साँचोके खाइबला आ हमर लहु साँचोके पियैबला चिज चियै।
यि उ रोटी नै चियै, जे तोरासबके पिता-पुरखासब खेल्कौ आ मैरगेलौ। महज जे यि रोटी खेतै, उ सबदिन जिबित रहतै।”
महज परमेस्वरके देल समय पुरा भेलाके बाद आपन बेटाके पठाइल्कै। उ जनिके कोखसे जलमलै आ बेबस्थाके अधिनमे जलमल छेलै।
अपनासब जानैचियै कि परमेस्वरके बेटा आइबगेल छै आ सत परमेस्वरके चिन्हैले उ अपनासबके समझसक्ती देने छै। हमसब ओकर बेटा येसु खिरिस्टमे भेलासे सत परमेस्वरमे चियै। ओह्या सत परमेस्वर आ अनन्त जिबन चियै।