29 येसु ओइसबके जबाब देल्कै, “परमेस्वरके काम एह्या चियै, जे ओकरा पठाइने छै ओकर उपर बिस्बास कर।”
पतरुस यि बात बाजतेछेलै कि तखुन्ते एकटा चम्कौवा बादल एलै आ छाहसे ओइसबके झाइपदेल्कै। तकरबाद ओइ बादलसे एकटा एहेन अबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, अकरसे हम बहौत खुसी चियै, अकर बात धियानसे सुन।”
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
तुसब यि सोइचके धरमसास्तर निकसे परहैचिही कि, ओइमे अनन्त जिबन छै, महज एह्या धरमसास्तर हमर बारेमे गबाही दैछै।
तब उसब ओकरा कहल्कै, “आब परमेस्वरके काम करैके लेल हमरासबके कथी करेपरतै?”
हमर आपन इक्छा नै महज हमरा पठाइबलाके इक्छा पुरा करैले हम स्वरगसे एलचियै।
जहिनङे हमर पिता हमरा पठेल्कै आ हम ओकर कारनसे जिबित चियै, ओहिनङे हमर देह खाइबला हमर कारनसे जिबित रहतै।
तब उसब कहल्कै, “परभु येसुमे बिस्बास कर तब तु आ अहिनङ कैरके तोहर घर-परिबार उदार पाबतौ।”
बिस्बाससे करल तोरासबके काम, परेमसे करल तोरासबके मेहनत आ आपन परभु येसु खिरिस्टके आसामे करल तोहरसबके सहनसिलता हमसब परमेस्वर आ पिताके अगा परथनामे हरदम सम्झैत रहैचियौ।
अनङकैरके परमेस्वर ओकरा सिध बनेलाके बाद ओकर आग्यापालन करैबला सबके लेल उ अनन्ततक रहैबला मुक्तीके मुल बन्लै।
बिस्बास आ काम सङ-सङे रहैछै से बात नै देखलिही? ओकर आग्या पालनसे ओकर बिस्बास परमानित भेलै।
ओकर आग्या एह्या चियै कि हमसब परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टके नाममे बिस्बास करनाइ आ ओकर देल आग्या अनुसार एक-दोसरके परेम करनाइ चियै।
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।
जे जित्तै आ अन्ततक हमर इक्छा पुरा करैतजेतै, तकरा हम जाती-जाती उपर अधिकार देबै।