44 तुसब एक-दोसरसे आदर खोजैचिही, महज परमेस्वरसे ल्याल आदरके कोनो वस्ते नै करैचिही त, तुसब कनङके बिस्बास करे सकबिही?
सबकाम उ सब देखाबैके लेल मातरे करैछै। उसब आपन हाथमे आ कपारमे बेबस्थामे लिखल बातसब जन्तरमे राइखके बान्हैछै आ आपन बस्तरमे लाम-लाम फुदनासब लगाके पिन्हैछै।
तब उ ओकरा कहल्कै, ‘चाबस तु हमर असल सेबक चिही, कथिलेत छोट चिजमे बिस्बास करलिही। आब तोरा दस सहरसबमे अधिकार देबौ।’
कथिलेकी उसब परमेस्वरके परसन्सासे लोकके परसन्सा बेसी मन पराइछेलै।
अनन्त जिबन एह्या चियै कि, उसब अहाँ एक मातरे सत परमेस्वरके आ अहाँके पठाएल येसु खिरिस्ट चियै से जाने।
दुस्ट काम करैबलासब इजोतके घिरना करैछै आ ओइसबके करल दुस्ट कामसब देखलेतै कैहके इजोतमे नै आबैछै।
“हम लोकसबसे परसन्सा नै चाहैचियै,
हमर कहल बात तुसब कथिले नै बुझैचिही? कथिलेकी तुसब हमर कहल बचन सुनैयोले नै चाहैचिही।
महज असल काम करैबला हरेक लोकके, आदर, इज्जत आ सान्ती मिल्तै, पहिने यहुदी तब गैर-यहुदीसबके सेहो मिल्तै।
साँचो यहुदी त हिरदयके भितरसे परमेस्वरके अगा सत ठहरैले परतै। तब साँचो खतना त देहके बाहरमे लगाइबला खतना नै महज परमेस्वरके आत्मा पाइबके हिरदय भितरेसे परिबरतन होनाइ चियै। एहेन लोक, लोकसबसे नै महज परमेस्वरसे आदर पाबैछै।
जे लोकसब निरन्तर भलाइके काम कैरके आदर, इज्जत आ अनन्त जिबनके खोजी करैछै, ओइसबके परमेस्वर अनन्त जिबन देतै।
तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मनभितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
कथिलेकी जे आपन तारिफ आपनेसे करैछै, उ कोनो महत्वके बात नै चियै, महज जकर तारिफ परभु करैछै उ बहौत मुल्यबानके ठानल जाइछै।
आपन मातरे भलाइ नै खोज आ अहङकारमे कुछ नै कर, महज नमर्तामे एक दोसरके आपनसे बरका ठान।
हमसब लोकसबसे आदर नै खोजलियै, नै त तोरासबसे आ नै आन गोरासे। हमसब खिरिस्टके परेरित भेलाके कारन तुसब हमरासबके आदर कर कैहके कहेसक्तीयौ।
जुगो-जुगके रजा, अमर, देखा नै परैबला एक मातरे परमेस्वरके आदर-भाव आ महिमा सबदिन हैते रहे। आमेन।
हे पिरिय भाइ-भैयासब, होसियार रह। तोरासबमेसे ककरोमे भेल दुस्ट आ अबिस्बासी हिरदय तोरासबके जिबित परमेस्वरसे दुर नै लजाबे।
हे हमर भाइ-भैयासब, तुसब महिमासे भरल आपन परभु येसु खिरिस्टके बिस्बास करैबला लोक भेलाके कारन तुसब ककरो पक्छपात नै कर।
नास हैबला सोनाके आइगमे खाइरके सुध करल जखा तोरासबके बिस्बास ओहौसे मुल्यबान छौ। अहै खातिर तोरासबके बिस्बास सच ठहरे आ येसु खिरिस्ट परगट हैबला दिनमे परसन्सा, महिमा आ आदरके योग्य बने।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा, अपनासबके मुक्ती दैबला एक मातरे परमेस्वरके सब आदर, महिमा, सक्ती आ अधिकार जुगो-जुग तलिक हैतरहे। आमेन।