41 “हम लोकसबसे परसन्सा नै चाहैचियै,
कथिलेकी उसब परमेस्वरके परसन्सासे लोकके परसन्सा बेसी मन पराइछेलै।
हमरा कोनो लोकके गबाहीके जरुरी नै छै, महज हम यि बात अहै खातिर कहैचियौ कि तोरासबके उदार हेबे।
तैयो तुसब अनन्त जिबन पाबैके लेल हमरलग आबैले नै चाहैचिही।
महज हम जानैचियौ कि, परमेस्वरके परेम तोरासबके मनमे नै छौ।
तुसब एक-दोसरसे आदर खोजैचिही, महज परमेस्वरसे ल्याल आदरके कोनो वस्ते नै करैचिही त, तुसब कनङके बिस्बास करे सकबिही?
लोकसब आइबके जबरदस्ती ओकरा रजा बनाबैले ल्याजेतै से जाइनके येसु फेनो असगरे पहार दिसन चैलगेलै।
जे कोइ आपन मनसे बोलैछै, उ आपने महिमा ताकैछै, महज जे अपना पठाइबलाके आदर खोजैछै, उ सत लोक चियै आ ओइमे कोनो कपट नै रहैछै।
हम अपनेसे आपन आदर नै खोजैचियै, महज पिता परमेस्वर हमर आदर खोजैछै आ नियाय करैछै।
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “यदी हम आपन आदर आपनेसे खोज्बै त ओकर कोनो अरथ नै हेतै, महज हमरा आदर करैबला हमर पिता छै जकरा तुसब ‘अपनासबके परमेस्वर’ कहैचिही।
हमसब लोकसबसे आदर नै खोजलियै, नै त तोरासबसे आ नै आन गोरासे। हमसब खिरिस्टके परेरित भेलाके कारन तुसब हमरासबके आदर कर कैहके कहेसक्तीयौ।
कथिलेकी परमेस्वर तोरासबके यह्या कामके लेल चुनल्कौ, खिरिस्ट तोरासबके लेल दुख भोगल्कौ आ उ एकटा उदाहरन बन्लै। आबसे तुसब ओकर देख्याल बाटमे चलेपरतौ।
जब उ परमेस्वर पितासे आदर आ महिमा पाबल्कै, तब परमेस्वर महा महिमासे एहैन आबाज एलै, “यि हमर दुलरुवा बेटा चियै, जकरसे हम बहुत खुसी चियै।”