4 कथिलेत परमपरभुके एकटा दुत समय समयमे पोखैरमे आइबके पानीके हिल्यादैछेलै आ पानी हिलैत मातर जे सबसे पहिने पानीमे जाइछेलै, ओकरमे भेल सब परकारके रोग-बिमार निक भ्याजाइछेलै।]
बप्तिस्मा दैबला युहन्नेके बखतसे अखुनतक स्वरगके राज जोर-तोरसे अगा बैढ़ रहल छै, तब जबरदस्ती करैबला लोकसब स्वरगके राजके बिरोध कैररहलछै।
महज सबसे पैहने ओकर राज आ धारमिकताके खोजि कर तब उ सबचिज तोरासबके खातिर औरो बेसीसे देतौ।
“सकेत केबारसे ढुकैले आपन पुरा बल लगा। कथिलेत, हम तोरासबके कहैचियौ, बहुत लोकसब ढुकैले चाहतै, महज ढुके नै सक्तै।
“बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके बातसबके परचार करल्कै। तहै बखतसे परमेस्वरके राजके सुसमाचार परचार भ्यारहलछै, तब सबलोक परमेस्वरके राज भितर बलपुरबक परबेस करैछै।
ओते अन्हरा, नेङरा, लकबा मारल बहुतो लोकसब परल रहैछेलै। [उसब कोन बखत पोखैरके पानी हिलाइतै तै आसमे असियाल रहैछेलै।
ओते एकटा लोक छेलै, जे अरतिस बरिससे बिमार छेलै।
तब उ बिमार लोक येसुके जबाफ देल्कै, “गुरु जी, जखैन पानी उछलैछै तखैन हमरा पोखैरमे लजाइबला कोइ नै छै। हम कोसिस कैरते रहैचियै महज हमरसे पहिने दोसरे लोक पानीमे चैलजाइछै।”
तोरासबमेसे कतहेक गोरे एक समयमे अहिनङे छेल्ही, महज तुसब आब परभु येसुके नाममे आ परमेस्वरके आत्मासे धोबल गेलचिही, पबितर भेलचिही आ धरमी ठहरल चिही।
महज परमेस्वर जहिनङ इजोतमे रहैछै तहिनङ हमसब इजोतमे चलैचियै त अपनासबके संगती एक दोसरसङे हैछै आ ओकर बेटा येसुके लहुसे अपनासबके सब पापसे सुध करैछै।