34 हमरा कोनो लोकके गबाहीके जरुरी नै छै, महज हम यि बात अहै खातिर कहैचियौ कि तोरासबके उदार हेबे।
“ए यरुसलेमके लोकसब! तुसब अगमबक्तासबके मारैचिही आ परमेस्वरके दुतसबके पथल बरसाचिही! जनङ मुरगा आपन बच्चासबके डेन तरमे घोसाइरके राखैछै, तहिना कतेक बेर हम तोहर लोकसबके भेला करैले चाहलियौ, महज तुसब नै मानलिही।
कथिलेत मानबके बेटा हरेल्हाके ताकैले आ बचाइले एलछै।”
तब यरुसलेमसे सुरु कैरके सब जातीसबके ओकर नाममे पस्चाताव आ पाप छमाके परचार हैलेपरतै।
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
महज कोइ दोसर गोरा हमर बारेमे गबाही दैछै आ हम जानैचियै कि, हमर बारेमे उ जे गबाही दैछै उ सत छै।
“हम लोकसबसे परसन्सा नै चाहैचियै,
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “यदी हम आपन आदर आपनेसे खोज्बै त ओकर कोनो अरथ नै हेतै, महज हमरा आदर करैबला हमर पिता छै जकरा तुसब ‘अपनासबके परमेस्वर’ कहैचिही।
हे हमर भाइ-भैयासब, इजराएलीसब मुक्ती पाबे कैहके हमर भितरी चाहना छै। तैल्याके हम अकरासबके लेल परमेस्वरसे परथना करैचियै।
महज इजराएलके बारेमे उ कहल्कै, “हमर बात नै मानैबला आ हमर बिरोध करैबलासब हमरलग घुइमके एतै कि कैहके हम दिनभैर आपन हाथ पसारने चियै।”
खराब बातसे हार नै मान महज खराब बातके भलाइसे जित।
महज कतहेक गोरा बिस्बास योग्य नै भेलै त, कि भेलै? उसब बिस्बास योग्य नै भेलै त कि परमेस्वर आपन बचन पुरा नै करतै से?
हम कमजोर लोकसबके बिचमे काम करैबखत उसब खिरिस्टमे बिस्बास करे कैहके हम्हु कमजोर भेलियै। हम सबके लेल सबकुछ बैन गेलियै ताकि हरतरहसे लोकसबके खिरिस्टमे बचाबैले सकी।
तु आपन जिबन आ आपन देल सिक्छाके बारेमे होसियार रह। यि सब करलासे तु आपन जिबन आ तोहर सिक्छा सुनैबलासबके जिबन बचेब्ही।
हमसब लोकसबके देल साक्छीके त सुइकार करैचियै, महज परमेस्वरके देल साक्छी त ओइसबसे औरो महान छै। उ आपन बेटाके बारेमे साक्छी देने छै।