3 ओते अन्हरा, नेङरा, लकबा मारल बहुतो लोकसब परल रहैछेलै। [उसब कोन बखत पोखैरके पानी हिलाइतै तै आसमे असियाल रहैछेलै।
तब हुल के हुल लोकसबके भिर ओकरलग एलै। उसब आपनसङे लुल्हा, नेङरा, अन्हरा, बौका आ औरो बहुते किसिमके बिमारीसबके येसुके चरनमे आइनके राइख देल्कै, तब येसु ओइसबके निक कैरदेल्कै।
अहिनङे ओकर कामके चरचा पुरे सिरिया परदेसमे फैलगेलै। हरेक परकारके रोग-बिमारसे सत्याल, भुत लागल, मिरगी लागल आ लकबा मारल लोकसबके येसु लग आनल्कै आ येसु ओइसबके निक करल्कै।
तब येसु युहन्नाके चेलासबके कहल्कै, “जो, तुसब जे जे देखलिही आ सुनलिही, ज्याके युहन्नाके कैह दैहिए- अन्हरासब देखैछै, नेङरासब लरैछै, कोढि-कुस्टी लागलसब निक हैछै, बैहरासब सुनैछै, मरलसब जि जाइछै, दुखी गरिबसबके सुसमाचार सुनाइछै।
यरुसलेम सहरमे भेरा-केबारके लगमे एकटा पोखैर छेलै। जकरा हिबरु भसामे बेथस्दा कहैछै, जकर चारुकात पाँचटा दलान छेलै।
कथिलेत परमपरभुके एकटा दुत समय समयमे पोखैरमे आइबके पानीके हिल्यादैछेलै आ पानी हिलैत मातर जे सबसे पहिने पानीमे जाइछेलै, ओकरमे भेल सब परकारके रोग-बिमार निक भ्याजाइछेलै।]
यदि अपनासब नै देखलहा चिजके आसा करैचियै त, धिरजसे अपनासब ओहै चिजके लेल असियाल रहैचियै।
अहै खातिर हे भाइ-भैयासब, परभु नै आबैतलिक धिरज धैरके रह। देख, खेति-किसानी करैबला अगिल्का आ पछिल्का बरखा नै है तलिक धिरज धैरके कनङ जमिनसे बहुमुल्य उबजनीके लेल असियाल रहैछै।