27 आ ओकरा नियाइयो करैबला अधिकार देनेछै, कथिलेत उ मानबके बेटा चियै।
महज मानबके बेटाके पिरथिबीमे पाप छमा करैके अधिकार छै, से तुसब जान।” तकरबाद उ लकबा मारल लोकके कहल्कै, “उठ, तोहर बोरिया-बिस्तर बोक आ घर जो।”
कथिलेत पिता ककरो नियाइ नै करैछै, महज नियाइ करैबला सब अधिकार बेटाके देनेछै,
तब येसु कहल्कै, “नै देखैबलासब देखे आ देखैबलासब अन्हर हेबे कैहके हम सन्सारमे नियाइ करैले एलचियै।”
सुसमाचार परचार करैले आ परमेस्वर येसुके जिबित आ मरलसबके नियाय करैले नियुक्त करने छै कैहके साक्छी दैले परमेस्वर हमरासबके आग्या करने छै।
कथिलेत सन्सारके सब लोकसबके नियाइ करैके दिन उ तोइकदेने छै। ओइ दिन परमेस्वर आपनेसे छानल लोकसे सन्सारके उचित नियाय करतौ। ओइ लोकके नियाइ करैके अधिकार छै से परमान लोकसबके देबेखातिर परमेस्वर ओकरा मरलसे जियाइल्कै।”
कथिलेत खिरिस्ट आपन सब दुस्मनसबके आपन टाङके तरमे नै राखैतलिक ओकरा राज करैये परतै।
महज यि अन्तके दिनसबमे उ आपन बेटा दुवारा अपनासबसङे बोलैछै। उ आपन बेटाके सब चिजके उतराधिकार हैकेलेल नियुक्त करल्कै आ ओकरे दुवारा सब चिजके सिरिस्टी करल्कै।
येसु स्वरगमे गेलै आ सब स्वरगदुतसब, अधिकारसब आ सक्तीसबके बसमे कैरके परमेस्वरके दहिनाकात बिराजमान भेल छै।