24 “हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
तब उसब दन्डके भागिदार हेतै, महज धरमीसब अनन्त जिबन पाबतै।”
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
आ जे कोइ हमरमे जियैछै आ बिस्बास करैछै उ कहियो नै मरतै। कि तु यि बातमे बिस्बास करैचिही?”
येसु जोरसे कहल्कै, “जे हमरा बिस्बास करैछै, उ हमरा मातरे नै, महज हमरा पठाइबलाके बिस्बास करैछै।
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
कथिलेकी परमेस्वर सन्सारके लोकसबके एहेन परेम करल्कै कि उ आपन एकलौता बेटाके देल्कै। ओकर उपर बिस्बास करैबला नास नै हेतै, महज उ अनन्त जिबन पाबतै।
ओकर उपर बिस्बास करैबला कोइने दोसी ठहरतै, महज ओकर उपर बिस्बास नै करैबलासब पहिने दोसी ठहैरगेलछै। कथिलेत उसब परमेस्वरके एकलौता बेटाके बिस्बास नै करने छै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
अखनियो बाली काटैबलाके बैन भेटैछै आ अनन्त जिबनके खातिर अन जमा करैछै, तब छिटैबला आ काटैबला दुनु सङे-सङे खुसी मनाबैछै।
कथिलेत हमर पिताके इक्छा यि चियै, कि बेटाके ताकैबला आ ओकरा बिस्बास करैबला सबकोइ अनन्त जिबन पाबे। हम ओकरा अन्तके दिनमे मरलसे जिबित करबै।”
“साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै।
महज हम त स्वरगसे एल रोटीके बारेमे कहैचियौ, जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ कहियो नै मरतै।
स्वरगसे एल जिबित रोटी त हम्ही चियै। जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ सबदिन जिबित रहतै। सन्सारके लोकसबके जिबनके लेल जे रोटी हम दैचियै, उ हमर देह चियै।”
यि उ रोटी नै चियै, जे तोरासबके पिता-पुरखासब खेल्कौ आ मैरगेलौ। महज जे यि रोटी खेतै, उ सबदिन जिबित रहतै।”
साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, यदी जे कोइ हमर कहल बचनके पालन करतै त उ कहियो नै मरतै।”
ओहैसे जेसब येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैछै, तकरासबके परमेस्वर दन्ड नै दैछै।
कथिलेकी परमेस्वर अपनासबके दन्ड दैकेलेल नै महज परभु येसु खिरिस्टसे मुक्ती पाबैके लेल चुन्ने छै।
ओकरेसे तुसब परमेस्वरमे बिस्बास करलिही, जे ओकरा मरलसे जिबित करल्कै आ ओकरा महिमा देल्कै, तैल्याके तोरासबके आपन बिस्बास आ भरोसा परमेस्वरमे रहे।
तुसब बिस्बास करलाके कारन परमेस्वरके सक्तिसे सुरक्छित रहलचिही। उ मुक्ती तोरासबके खातिर तैयार करनेछौ जे अन्तिम समयमे परगट हेतौ।
अपनासब जानैचियै कि मिरतुके मुहसे निकैलके जिबनमे पुइगगेल चियै कारन अपनासब एक दोसरके परेम करैचियै। जे लोकसब परेम नै करैछै उ मिरतुके बन्धनमे रहैछै।
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।