21 कथिलेत जहिनङ पिता मरलाहासबके जियाबैछै आ ओकरासबके जिबन दैछै, तहिनङ बेटो जकरा मन करैछै तकरा जिबन दैछै।
तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै।
कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी।
जिबन दैबला त परमेस्वरके आत्मा चियै। देहके कोनो महत्व नै छै। जे बचन हम तोरासबके देनेचियौ, उ परमेस्वरके आत्मासे एलचियै आ तोरासबके जिबन देतौ।
परमेस्वर मरलहासबके जियाइछै तै बातमे अहाँसब कथिले बिस्बास नै करैचियै?
यदि येसुके मरलसे जिबित करैबला परमेस्वरके पबितर आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करैबला वह्या आत्मा तोरासबके नास हैबला देहके सेहो जिबन देतौ।
तैखातिर पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “पहिल्का लोक आदम जिबित परानी भेलै।” महज अन्तिम आदम अरथात खिरिस्ट जिबन दैबला आत्मा चियै।