15 तकरबाद उ लोक यहुदी अगुवासब लग ज्याके “हमरा निक करैबला त येसु चियै” कहैके सुनाइल्कै।
महज उ लोक बाहर निकैलके गेलै आ अपना निक भेल बात चारुदिसन परचार करे लाग्लै। तैल्याके येसु फेनो उ सहरमे लोकसबके अगा खुलस्त रुपमे आबैले नै सक्लै महज उ सुनसान जगहमे रहेलाग्लै। तैयो लोकसबके भिर चारुदिसनसे ओकरलग एलै।
जखन यहुदी अगुवासब यरुसलेमसे पुजारी आ लेबीके युहन्ना लग “तु के चिही?” कैहके पुछैले पठेल्कै।
“आबैजो, अते आइबके एकटा लोकके देख! हमर करल सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै। कि ओह्या मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट त नै चियै?”
तैखातिर यहुदी अगुवासब निक भेल लोकके कहल्कै, “आइके त बिसरामके दिन चियौ, बेबस्था अनुसार तोरा बिछौना नै बोकैके चाही।”
उसब ओकरा कहल्कै, “तोरा बिछौना बोइकके चल कहैबला लोक के चियै?”
तैल्याके यहुदी अगुवासब येसुके सताबे लाग्लै, कथिलेत उ यि काम बिसराम दिनमे करने छेलै।
यि बात सुइनके यहुदी अगुवासब औरो येसुके मारैले ताकैछेलै, कथिलेत उ बिसराम दिन भङ मातरे नै, महज परमेस्वरके आपन पिता कैहके अपने-आपके परमेस्वरके समान ठहराइछेलै।
फरिसीसब सेहो ओकरा पुछैले लाग्लै, “तु कनङके देखे लागलिही?” उ ओइसबके जबाब देल्कै, “उ हमर आँखमे माटी साइनके लग्या देल्कै, तब हम धोलियै त देखे लागलियै।”
उ जबाब दैत कहल्कै, “उ पापी छै कि नै छै, से हम नै जानैचियै! महज एकटा बात हम जानैचियै, हम अन्हर रहियै, महज अखुन देखैबला भेलचियै।”
तब उ लोक कहल्कै, “यि केहन अचमके बात! उ कतेसे एलछै से बात अहाँसब नै जानैचिही, महज उ हमर आँख खोइलदेल्कै।
उसब ओकरा जबाब दैत कहल्कै, “तु त एकदमसे आपन पापेमे जलमल चिही आ तु हमरासबके सिखाबैचिही?” तब उसब ओकरा सभाघरसे बाहर निकाइलदेल्कै।