11 महज उ लोक जबाफ देल्कै, “जे लोक हमरा निक करल्कै ओह्या लोक हमरा ‘बिछौना बोइकके चल’ कहल्कै।”
तैखातिर यहुदी अगुवासब निक भेल लोकके कहल्कै, “आइके त बिसरामके दिन चियौ, बेबस्था अनुसार तोरा बिछौना नै बोकैके चाही।”
उसब ओकरा कहल्कै, “तोरा बिछौना बोइकके चल कहैबला लोक के चियै?”
उसब ओकरा पुछल्कै, “येसु नामके लोक कते छौ?” उ जबाब देल्कै, “से बात त हम नै जानैचियै।”
कोनो-कोनो फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक परमेस्वर दिसनसे नै एलछै, कथिलेत उ पबितर बिसराम दिनके पालन नै करैछै।” महज दोसर लोकसब कहेलाग्लै, “जे पापी हेतै, उ एहेन अचमके चेन्हासब कनङके देखाइले सक्तै?” अहै बातमे ओइसबके आपनमे मतभेद भ्यागेलै।