48 येसु ओकरा कहल्कै, “तुसब जाबे तलिक अजगुतके कामसब आ चेन्हासब नै देखबिही ताबे तलिक कहियो नै बिस्बास करबही।”
कुछ फरिसीसब आ सदुकीसब एलै आ येसुके परमेस्वर दिसनसे एलछै कि नै कैहके जाँच करैके लेल पुछल्कै, “हमरासबके स्वरगसे एकटा चेन्हा देखाबु।”
कथिलेत झुठा खिरिस्ट आ झुठा अगमबक्तासब देखा परतौ। सम्भब त अचमके कामसब आ चेन्हासब देख्याके परमेस्वरके छानल लोकसबके बहकेतौ।
“यि त लोकसबके बचेल्कै महज आपनेके बचाइले नै सकैछै। इजराएलके रजा, आब कुरूससे निचा उतैरके आबौक तब न हमसब देखके बिस्बास करबै।
कथिलेत झुठा खिरिस्ट आ झुठा अगमबक्तासब देखा परतौ। सम्भब त अचमके कामसब आ चेन्हासब देख्याके परमेस्वरके छानल लोकसबके बहकाके लजेतौ।
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “हमे सैतानके स्वरगसे बिजली जखा खसैत देखलियै।
अबराहम कहल्कै, ‘मोसा आ अगमबक्ताके पबितर धरमसास्तरमे लिखल बातके नै मान्तौ आ नै सुन्तौ त कोइ मरियो के जि जेतौ त उसब बिस्बास नै करतौ।’”
येसु लोकसबके अगा बहुतो अजगुतके कामसब करल्कै, तैयो उसब ओकरमे बिस्बास नै करल्कै।
हम तोरासबके बिचमे जे काम करने छेलियौ, उ काम औरो दोसर नै करने छै। यदी उ काम हम नै करने रहतियै त, उसब पापके दोसी नै हेतियै। महज हमर करल अजगुत कामसब देखियोके उसब हमरा आ हमर पिता दुनोगोराके घिरना करैछै।
महज यहुदी अगुवासब येसुके रोकैत कहल्कै, “यि कामसब करैके अधिकार छै कहके परमान दैले अहाँ हमरासबके कोन चेन्हा देखाइबै?”
येसु ओकरा कहल्कै, “तु त हमरा देखके बिस्बास करलिही महज उ लोक धैनके हेतै जे हमरा देखने नै छै तैयो बिस्बास करैछै।”
उ हाकिम ओकरा कहल्कै, “मालिक, हमर बौवा मरैसे पहिने आइबदियौ।”
पावल आ बरनाबास ओते बहौत दिनतक रहलै। उसब निडर भ्याके परभु येसुके खातिर परचार करैत रहलै। परभु ओकरासबके हाथसे चेन्हासब आ अच्चमके कामसब कैरके आपन किरपाके बिसयमे ओकरासबके परचारके सत ठहराइल्कै।
सभाके सबलोक चुप भेलै जब बरनाबास आ पावल ओइसबके परमेस्वर केहन-केहन आस्चरजके चेन्हा आ कामसब गैर-यहुदीसबके बिचमे ओइसबसे करने छै कहल्कै।
उपर अकासमे हम अच्चमके काम आ निचा पिरथिबीमे लहु, आइग आ धुवाँके रेतके चेन्हासब देखेबौ।
“इजराएलके लोकसब, यि बात सुन, नासरतके येसु एहेन लोक छेलै, जकरा परमेस्वर सक्तिसाली कामसब, अच्चमके कामसब आ चेन्हासबसे तोरौरके अगा साबित करल्कौ। तोरौरके थाहे छौ कि परमेस्वर तोरासबके बिचमे यि सब कामसब ओकरसे कराइने छै।
परेरितसब अचमके काम करैत बहौत चेन्हासब देखेल्कै तब सब लोकसबके हिरदयमे डर उतपन भेलै।
आ निक करैले अहाँ आपन हाथ बरहाइत, आपन पबितर सेबक येसुके नामसे आस्चरज कामसब हैतरहे।”
परेरितसबके हाथसे लोकसबके बिचमे बहुत चेन्हासब आ आस्चरजके कामसब हैतरहै। उसब सोलोमनके दरबजामे सङे एक जुट हैतरहै।
स्तिफनस परमेस्वरके किरपा आ सक्तीसे भरपुर भ्याके लोकसबके बिचमे बरका-बरका अचमके काम आ चेन्हासब देखेल्कै।
ओह्या लोक मिसरदेसमे, लाल समुन्दरमे आ चालिस बरिसतक उजार जगहमे चमत्कारी काम आ चेन्हासब देख्याके ओइसबके मिसरदेससे बाहर निकालके आनल्कै।
उसब परमेस्वरके आत्माके सक्ती, अचमके चेन्हासब आ कामसब दुवारा बिबस करलगेल छेलै। अहिनङे हम यरुसलेमसे इल्लुरिकन परदेसतक पुरे खिरिस्टके सुसमाचारके परचार करने चियै।
यहुदीसब स्वरगसे अचमके चेन्हाके माङ करैछै आ गिरिकसब बुधिके खोजिमे छै।
हम पुरा धिरजकेसाथ सक्तिसाली आ अचमके कामसब कैरके तोरासबके बिचमे खिरिस्टके परेरित भेल परमान देनेचियौ।
उ ब्यबस्था भङ करैबला सैतानके सक्ती ल्याके एल रहैछै, तब सब तरहके झुठा चेन्हा आ अजगुत-अजगुतके कामसबके चेन्हा देखाइतौ।
परमेस्वर बहुतरा चेन्हासब देखाके बहुत किसिमके आस्चरजके कामसब आ सक्तीसाली कामसब करैत उ आपन इक्छा बमोजिम पबितर आत्माके दान-बरदानसब द्याके यि बातके गबाही देल्कै।