25 यि बात सुइनके सामरी जनी कहल्कै, “हम जानैचियै कि मसिह (जकरा ‘खिरिस्ट’ कहैछै) आबैबलाछै। उ आइबके सब बात हमरासबके बुझ्यादेतै।”
आ याकुबके बेटा योसेफ जे मरियमके घरबला रहै, ओही मरियमसे खिरिस्ट कहाइबला येसुके जलम भेलै।
जब भिर जम्मा भेलै तब बडा हाकिम पिलातस ओइसबके पुछल्कै, “तुसब कथी चाहैचिही? तोरासबके लेल हम ककरा छोइरदेबौ? बारब्बा के कि खिरिस्ट कहाइबला येसु के?”
पिलातस ओइसबके कहल्कै, “तब अइ खिरिस्ट कहाइबला येसु के हम कथी करबौ त?” सबगोरा कहेलाग्लै, “अकरा कुरूसमे लटका।”
आइ दाउदके सहरमे मुक्तीदाताके जलम भेल छै, जे खिरिस्ट परभु चियै।
नथानेल जबाब देल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै! अहाँ त इजराएलके रजा चियै।”
“आबैजो, अते आइबके एकटा लोकके देख! हमर करल सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै। कि ओह्या मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट त नै चियै?”
“अखुनतक हमर करलहा सबकाम उ हमरा कैहदेल्कै” कैहके जनिके द्याल गबाहिसे ओइ गामके सामरीसबमेसे बहौत गोरा येसुमे बिस्बास करल्कै।
उसब ओइ जनिके कहल्कै, “अखुन तोरे बात सुइनके मातरे नै, महज हमरासब आपने ओकर उपदेस सुइनके बिस्बास करैचियै। बास्तममे ओह्या सन्सारके मुक्तीदाता चियै से हमसब जानैचियै।”