23 महज समय आइबरहल छै आ समय एह्या चियै। साँचोके आराधना करैबलासब पबितर आत्माके अगुवाइमे आ सत बात अनुसार पिताके आराधना करतै। कथिलेत अहिनङे आराधना करैबलासबके आपन आराधना करैले ताकैछै।
कथिलेत बेबस्था मोसासे एलै, महज अनुगरह आ सत्यता येसु खिरिस्टसे एलै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “मानब बेटाके महिमा परगट हैबला समय आइबगेल छै।
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
देख! समय आइबरहल छै, हँ, लग चैलएलै, जब तुसब चारुदिसन छिरिया जेब्ही। तुसब भाइगके आपन-आपन घर जेब्ही महज हमरा असगरे छोइर देब्ही। तैयो हम असगरे नै चियै, कथिलेत हमरसङे पिता छै।
येसु ओकरा जबाब देल्कै, “हे जनि, हमरा बिस्बास कर, उ समय आइबरहलछौ, जब तुसब नै त यि पहारमे नै त यरुसलेममे पिताके आराधना करबिही।
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, उ समय आइबरहल छौ आ आइबगेल छौ, जब मरलहा लोकसब परमेस्वरके बेटाके अबाज सुन्तै आ जे कोइ ओकर अबाज सुन्तै सेसब बाच्तै।
तैखातिर तुसब अचम नै मान, कथिलेत समय आइबरहल छौ जब सब मरल लोकसब चिहानमे ओकर अबाज सुन्तै,
हम आपन पुरे मनसे परमेस्वरके बेटाके बारेमे सुसमाचार परचार कैरके सेबा करैचियै। हम आपन परथनामे तोरासबके सबदिन सम्झैचियौ से बातके साक्छी परमेस्वर आपने चियै।
कथिलेत तुसब फेनसे दास बनैले डरके आत्मा नै पाबनेचिही बरु तुसब पोसपुत हैले पबितर आत्मा पाबनेचिही, तैल्याके हमसब परमेस्वरके “हे हमर अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
ओहिनङे पबितर आत्मा अपनासबके बिस्बासमे कमजोर हैतकाल मदत करैछै। कनङ परथना करैछै कैहके सब्दमे बेक्त करैले नै सैकके कुहरैत बखत पबितर आत्मा अपनासबके लेल परथना कैरदैछै।
तुसब परमेस्वरके बेटा-बेटी भेलासे उ आपन बेटाके आत्मा अपनासबके हिरदयमे राइखदेनेछै, जैसे “हे अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
तुसब पबितर आत्माके सक्तीमे हर बखत परमेस्वरसे परथना कर। होसियार आ लगनसिल भ्याके हरदम खिरिस्टके पबितर जनसबके खातिर परथना करैतरह।
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।