21 येसु ओकरा जबाब देल्कै, “हे जनि, हमरा बिस्बास कर, उ समय आइबरहलछौ, जब तुसब नै त यि पहारमे नै त यरुसलेममे पिताके आराधना करबिही।
कथिलेत जते दुइ या तिन गोरा हमर नाममे एक ठाम जर हेतै, तते हम तोरासबके बिचमे हेबौ।”
तहैलेल जो आ सब देसके लोकसबके चेला बना, पिता, पुतर आ पबितर आत्माके नाममे बप्तिस्मा दहै।
दुस्मनसब ओइसबके तरबारसे काइटके मारतौ। ओकरा बन्दी बनाके देस-देसमे ल्याजेतौ। तब आन जातसे समय पुरा नै छै तक उसब यरुसलेमके टाङके तरमे दाइबके राख्तौ।”
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
उसब तोरासबके सभाघरसबसे निकाइल देतौ। तोरासबके उपर अहिनङो समय एतौ, जे तोरासबके जानोसे मारैबला ‘परमेस्वरके सेबा करैचियै’ कैहके सोच्तै।
देख! समय आइबरहल छै, हँ, लग चैलएलै, जब तुसब चारुदिसन छिरिया जेब्ही। तुसब भाइगके आपन-आपन घर जेब्ही महज हमरा असगरे छोइर देब्ही। तैयो हम असगरे नै चियै, कथिलेत हमरसङे पिता छै।
महज समय आइबरहल छै आ समय एह्या चियै। साँचोके आराधना करैबलासब पबितर आत्माके अगुवाइमे आ सत बात अनुसार पिताके आराधना करतै। कथिलेत अहिनङे आराधना करैबलासबके आपन आराधना करैले ताकैछै।
हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, उ समय आइबरहल छौ आ आइबगेल छौ, जब मरलहा लोकसब परमेस्वरके बेटाके अबाज सुन्तै आ जे कोइ ओकर अबाज सुन्तै सेसब बाच्तै।
तैखातिर तुसब अचम नै मान, कथिलेत समय आइबरहल छौ जब सब मरल लोकसब चिहानमे ओकर अबाज सुन्तै,
कथिलेत एहेनङे कहैत हमसब सुनलियै, नासरतके येसु यि मन्दिरके नास करतै आ मोसाके देल्हा चलनसब बदैल देतै।”
खिरिस्टके कारनसे अपनासब एके पबितर आत्मा पाइबके पिता परमेस्वरके सामने जाइले सकैबला भेलचिही।
अहै खातिर हम परमेस्वर पिताके अगा ठेङहुनिया द्याके परथना करैचियौ।
तैदुवारे हरेक ठाम जते आराधना हैछै, ओते पुरुखसब बिना रिस-खिस आ बाद-बिबाद आपन पबितर हाथ उठाके परथना करे कैहके हम चाहैचियै।
परमेस्वर कोनो पक्छपात नै कैरके नियाय करैछौ जब तुसब ओकरा परथना करैतखिना “पिता” कैहके पुकारैचिही त यि सन्सारमे रहैतलिक तुसब ओकरा सर्दा हैबला जिबन बिता।
हम सहरके भितरमे कोनो मन्दिर नै देखलियै। कथिलेत सरबसक्तिमान परभु परमेस्वर आ थुमे ओइ सहरके मन्दिर छेलै।