13 येसु जबाब देल्कै, “यि पानी पियैबला सबकोइ फेनो पियासले रहतै।
तब उ चिच्याके कहल्कै, ‘हे पिता अबराहम, हमर उपर दया कैरके लाजरसके पठादिय आ उ आपन औङरीके टुप्पी पानीमे डुबाके हमर जिहके जुर कैरदेतै, कथिलेत हम अते आइगके धिधरामे बहुत दुख भोइगरहलचियै।’
यि इनार त हमरासबके पुरखा याकुब बन्यादेनेछै। ओकर बेटा-बेटीसब आ मालजाल अहै इनारके पानी पियैत रहै। कि अहाँ हमरासबके पुरखा याकुबोसे बरका चियै से?”
महज हमर देल पानी पियैबला फेनो कहियो नै पियासल रहतै, कथिलेत हमर देल पानी ओकर भितरसे निकलैबला पानीके मुल हेतै आ ओकरा अनन्त जिबन देतै।”
नास हैबला भोजनके खातिर मेहनत नै कर महज अनन्त जिबन तक रहैबला भोजनके लेल मेहनत कर, जे मानबके बेटा तोरासबके देतौ। कथिलेत परमेस्वर पिता ओकर उपर आपन छाप लगादेनेछै।”
तोरासबके पुरखा उजार जगहमे मन्न खेल्कौ, तैयो उसब मैरगेलौ।