6 लोक त खाली देहमे जलम दैछै महज पबितर आत्मा आत्मिक जलम दैछै।
उसब नै त लहुसे, नै त सारिरीक इक्छासे, नै लोकके कोनो इक्छासे महज उसब परमेस्वरसे आत्मिक रुपमे जल्मैछै।
हम तोरासबके कहैचियौ नया कैरके जल्मे परतौ से बात सुइनके अजगुत नै मान।
हमर कहैले चाहैबला बात यि चियै कि हमरमे अरथात हमर पाप स्वभाबमे कोनो असल चिज बास नै करैछै, कथिलेत असल काम करैले हमर इक्छा हैतोपरभी यि करैले नै सकैचियै।
हम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै। येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर हमरा छुटकरा दैछै। तैल्याके आपन हिरदयमे परमेस्वरके बेबस्था पालन करैचियै महज हमरमे भेल पाप स्वभाब हमरा पापके नियमके अधिनमे राखैछै।
अपनासब एक समय देहके पाप स्वभावमे जिबन बिताइत रहियै। ओइ बखत पापी स्वभाव बेबस्थाके बिरोधमे अपनासबके बहुत पाप करैले लगेल्कै आ मिरतुके भागिदार बनेल्कै।
यदि तुसब पाप स्वभाबके इक्छा अनुसार चलबिही त, तुसब मरबिही। महज पबितर आत्माके सक्तीसे पाप स्वभाबके नास करबिही त, तुसब अनन्त जिबन पाबबिही।
महज जे लोक परभुसङे एक हैछै, उ लोक ओकरसङे आत्मामे एक हैछै।
अहैलेल यदि कोइ खिरिस्टमे छै त उ लोक लया सिरिस्टी चियै। पुरना जिबन बितके चैलगेलै, देख, आब लया जिबन सुरु भेलछै।
महज उसब, जे खिरिस्ट येसुके चियै, उसब आपन पाप स्वभाबके इक्छा आ ललसा कुरूसमे काटी ठोइकके मारनेछै।
अपनोसब एक समयमे ओहैसब जखा आपन देहके आ मनके इक्छा पुरा करैमे लागल छेलियै आ औरो लोकसब जखा अपनोसब परमेस्वरके दन्ड पाबैबला छेलियै।
तुसब खिरिस्टमे होनाइ साँचोके खतना पाबनाइ चियौ। लोकके हाथसे लगाइबला खतना नै महज खिरिस्टसे खतना भेलचिही। यि खतना तोरासबके पाप स्वभाबके सक्तीसे छुटकरा पाबैके लेल चियै।
परमेस्वरके बेटा-बेटी पाप नै करैतरहैछै कथिलेत परमेस्वरके स्वभाब ओकरमे रहैछै। उ पाप करे नै सकैछै कथिलेत उ परमेस्वरसे जलमल रहैछै।