19 इजोत सन्सारमे एलछै आ लोकसब इजोतके बदला अन्हारके परेम करल्कै। कथिलेत ओइसबके काम दुस्ट छेलै। अहै कारन उसब दोसी ठहरतै।
“आपन मालिकके इक्छा जाइनके तयार नै रहै आ करैबला काम नै करैछै तेहन मुखियाके मालिक सजायके भागिदार बनेतै।
यि बात सुइनके धनके लोभी फरिसीसब येसुके मजाक उराइल्कै।
बचन सिरिस्टी भेल सब चिजके जिबन दैबला छेलै। यि जिबन दैबला लोकसबके लेल इजोत छेलै।
उ इजोत अन्हारमे चम्कैछै आ अन्हार कहियो नै इजोतके मुझाइले सकल छै।
आब अइ सन्सारके नियाय हैबला समय चैल एलछै। अइ सन्सारके सासक बाहर निकालल जेतै।
कथिलेकी उसब परमेस्वरके परसन्सासे लोकके परसन्सा बेसी मन पराइछेलै।
हम सन्सारके इजोत बैनके एलचियै, तैल्याके हमरा बिस्बास करैबला कोइने अन्हारमे रहतै।
तुसब एक-दोसरसे आदर खोजैचिही, महज परमेस्वरसे ल्याल आदरके कोनो वस्ते नै करैचिही त, तुसब कनङके बिस्बास करे सकबिही?
यदि कोइ ओकर इक्छा अनुसार काम करैले चाहैछै त से उ जाइन जेतै, कि हमर सिक्छा परमेस्वरसे एलछै, कि हम आपने मनसे बोलैचियै।
सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना नै करे सक्तौ, महज हमरा त घिरना करैछै, कथिलेत उसबके काम दुस्ट छै कैहके हम गबाही दैचियै।
तब येसु फेनो लोकसबके कहल्कै, “सन्सारके इजोत हम्ही चियौ। हमर पछा चलैबला अन्हारमे कहियो नै चल्तै, महज उ जिबनके इजोत पाबतै।”
जाबेतक हम सन्सारमे चियौ, ताबेतक हम सन्सारके इजोत चियौ।”
एहेन लोक मिरतुके योग्यके हैछै कैहके परमेस्वरके धारमिक नियम जानियोके उसब यि कामसब करैछै। ओतबे नै, वोहन काम करैबलासबके औरो उस्काबैछै।
महज आपनेके मातरे परेम करैबला, सत बातके पालन नै करैबला आ खराब बातमे लागल रहैबला लोकसबमे परमेस्वरके करोध आ दन्ड परतै।
अहिनङे जे कोइ सतमे बिस्बास नै करल्कै आ अधरम मे मग्न रहतै उसब दोसी ठहरालजेतै आ सजायके भागिदार हेतै।
पबितर धरमसास्तर कहैछै, “एह्या पथल चियै जैमे लोकसबके ठेस लागैछै। एह्या चट्टान चियै जैमे लोकसब खसैछै।” कथिलेकी परमेस्वरके बचनमे बिस्बास नै करैबला ठेस लाग्तै कैहके तोकल छेलै।
सबसे पहिने तोरासबके यि बुझैले परतौ कि, अन्तके दिनमे अधलाह लोक आपन स्वारथ चाहना बाहेक औरो किछो नै सोच्तै। उसब तोरासबके खिसी करैत कहतौ,