11 साँचोके हम तोरा कहैचियौ, जे बात हमसब जानैचियै, ओह्या बात हमसब कहैचियै आ जे बात देखने चियै ओहैके गबाही दैचियै, महज तैयो तुसब हमरासबके गबाहीके सुइकार नै करैचिही।
“हमर पिता हमरा सबचिज सोइप देने छै। बेटा के चियै से पिता बाहेक कोइ नै चिन्हैछै, पिताके चियै से बेटा बाहेक कोइ नै चिन्हैछै महज बेटा जेकरासबके चिन्हादैछै उसब मातरे पिताके चिन्हैछै।
“हमर पिता हमरा सबचिजके जिमा देने छै। बेटा के चियै से पिता बाहेक कोइ नै चिन्हैछै, पिताके चियै से बेटा बाहेक कोइ नै चिन्हैछै आ बेटा ओकरा जकरलग परगट करैके इक्छा करैछै से औरो कोइ नै जानैछै।”
येसु ओइसबके जबाफदैत कहल्कै, “हम आपने बारेमे गबाही दैचियै, तैयो हमर गबाही सुइकारे जोकर छै। कथिलेत हम जानैचियै कि हम कतेसे एलचियै आ कते ज्यारहल चियै, महज तुसब यि बात नै जानैचिही कि हम कतेसे एलचियै आ कते ज्यारहल चियै।