8 ओइ बखत औरो चेलासब नाहेमे रैहके माछसे भरल जालके ताइन्ते-ताइन्ते पखा दिसन आनल्कै। उसब पखासे बेसि दुर त नै, अन्दाजी सय मिटर जतहेक दुर छेलै।
उसबसङे कन्की-कन्की माछोसब छेलै। येसु माछोसबके लेल धन्यबाद द्याके लोकसबके बाइट दैकेलेल चेलासबके लगेल्कै।
तखुन येसुके सबसे बेसी परेम करैबला चेला पतरुसके कहल्कै, “उ त परभु चियै!” पतरुस यि बात सुनते मातर आपन बस्तर डारमे लपेटल्कै (उ काम करैके लेल बस्तर खोल्ने छेलै) आ तालमे झौफ देल्कै।
जब उसब पखामे पुग्लै तब ओते कोइलाके आइग उपरमे पाकैत माछ आ रोटी देखल्कै।