24 यि ओह्या चेला चियै, जे यि सब बातके बारेमे गबाही द्यारहलछै। ओह्या यि लिखने छै आ ओकर गबाही सत छै कैहके हमसब जानैचियै।
तुहुसब हमर बारेमे गबाही देब्ही, कथिलेकी तुसब सुरुवेसे हमरसङे चिही।”
जे कोइ यि घटना देखल्कै से कोइ ओकर गबाही देनेछै आ ओकर गबाही सत छै। उ जानैछै कि उ सत बोलैछै ताकि तुसब बिस्बास कर।
येसु खिरिस्ट वह्या चियै जे पानी आ लहुसे एलै। उ पानीसे मातरे नै महज पानी आ लहुसे एलै। यि बात सत छै कैहके पबितर आत्मा साक्छी छै, कथिलेकी पबितर आत्मा सत चियै।
डेमेतिरियसके बारेमे सबलोक असल गबाही दैछै आ उ सतमे चलैछै से बात ओकर जिबनसे सत आपनेसे साक्छी देनेछै। हम्हुसब ओहै बातके गबाही दैचियै आ तुसब जान्बे करैचिही कि, अपनासबके गबाही सत छै।