22 येसु पतरुसके कहल्कै, “यदी हम नै आबैतक उ जिबिते रहे कैहके हमर इक्छाछै त तोरा कि हैछौ? तु हमर पछा लाग।”
तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्कै, “अदी जे कोइ हमर चेला बनैले चाहैछै त, उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागौक।
कथिलेत जनङ बिजली अकासके कोनो एक कात चम्कैछै त दोसरकातके अन्ततक इजोत देखा परैछै, अहिनङे मानबके बेटा आबैके दिनमे सबकोइ देखतै।
येसु जैतुन पहारमे बैठलबखत ओकर चेलासब आइबके चुपेसिना पुछल्कै, “गुरु जी, हमरासबके कहु यि बातसब कहिया हेतै? अपने दोसर बेर एबै से आ यि युगके अन्त हैबला चेन्हा कथी रहतै।”
तै खातिर तुहुसब तैयार रह, कथिलेत तुसब नै सोचलहा बखत मानबके बेटा एतौ।
येसु कहल्कै, “जहिया मानबके बेटा पुरे स्वरगदुतसङे आपन महिमामे एतै, तहिया उ आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै।
महज येसु ओकरा कहल्कै, “हमर पछा लाग, मुरदासबके ओकर आपन मुरदासबके गारैले दहै।”
तब येसु चेलासबके एहो कहल्कै, “साच्चे हम तोरासबके कहैचियौ, अइ ठाम ठार भेल्हामेसे कोनो-कोनो लोकसब परमेस्वरके राजके सक्ती सङे आबैत नै देखतै ताबे तक नै मरतै।”
(केहैन मिरतुसे उ परमेस्वरके महिमा करतै कैहके संङकेत करैत येसु यि बात कहल्कै।) अतहेक कहैत उ ओकरा कहल्कै, “हमर पछा चल।”
ओइ चेलाके देखके पतरुस येसुके पुछल्कै, “परभु, अकरा कि हेतै?”
जहिया-जहिया तुसब यि रोटी खेब्ही आ अइ बाटीसे पिब्ही, परभु नै आबेतक ओकर मिरतुके परचार करबिही।
तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मनभितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
जब अपनासबके परभु येसु एतै, ओइ बखत ओकर अगा अपनासबके आसा, आनन्द आ घमन्डके मुकुटमे गर्भ करैबला कथी हेतै? कि यि तुहेसब नै चिही त?
अहै खातिर हे भाइ-भैयासब, परभु नै आबैतलिक धिरज धैरके रह। देख, खेति-किसानी करैबला अगिल्का आ पछिल्का बरखा नै है तलिक धिरज धैरके कनङ जमिनसे बहुमुल्य उबजनीके लेल असियाल रहैछै।
तहिनङे तुहुसब धिरज राख, हिम्मत नै हार। कथिलेकी परभुके आबैबला दिन लगचिया गेलछै।
देख, उ बादलमे आइबरहलछै आ हरेक लोक ओकरा देख्तै, उहोसब देख्तै जेसब ओकरा भालासे भोक्ने छेलै। सन्सारके सब जातीके लोक ओकर कारन बिलाप करतै। पक्का ओहिने हेतै। आमेन!
महज जाबेतक हम नै एबौ ताबेतक तुसब आपन बिस्बासमे अरल रह।
यि बातके गबाही दैबला कहैछै, “साँचोके हम जल्दिए आइबरहल चियौ।” आमेन। आबु, हे परभु येसु!
“देख, हम जल्दिए आइबरहल चियौ। धैनके चियै उ, जे यि किताबमे लिखल अगमबानीके बचन पालन करैछै।”
हम जल्दिए आइबरहल चियौ। तोहरमे भेल बिस्बासके बचाके राख ताकी कोइ नै तोरासे बिजयके मुकुट छिनके लेबे।