8 तब पहिने आबल चेला सेहो भितर ढुक्लै। उ यि सब देखके बिस्बास करल्कै।
अबराहम कहल्कै, ‘मोसा आ अगमबक्ताके पबितर धरमसास्तरमे लिखल बातके नै मान्तौ आ नै सुन्तौ त कोइ मरियो के जि जेतौ त उसब बिस्बास नै करतौ।’”
येसु ओकरा जबाब देल्कै, “हम तोरा अन्जिरके गाछ तरमे देखलियौ कहलियौ त तु बिस्बास करलिही? तु त अहौसे बरका-बरका कामसब देखबिही।”
औरो चेलासब थोमाके कहल्कै, “हमसब परभुके देखलियै।” महज थोमा कहल्कै, “जबतक हम ओकर हाथमे ठोकल काटीके चेख नै देख्बौ आ कांटी ठोकल खाइधमे औङरी नै ढुकाइबै आ ओकर कोइखमे आपन हाथ नै ढुकाइबै ताबे तलिक हम बिस्बास नै करबौ।”
येसु ओकरा कहल्कै, “तु त हमरा देखके बिस्बास करलिही महज उ लोक धैनके हेतै जे हमरा देखने नै छै तैयो बिस्बास करैछै।”
उ दुनुगोरा सङे-सङे दौरलै महज दोसर चेला पतरुससे पैहनिये चिहानमे पुग्लै।