29 येसु ओकरा कहल्कै, “तु त हमरा देखके बिस्बास करलिही महज उ लोक धैनके हेतै जे हमरा देखने नै छै तैयो बिस्बास करैछै।”
“महज तुसब धैनके चिही, कथिलेत तुसब आपन आँखसे देखैचिही आ कानसे सुनैचिही।
तु धैनके चिही कथिलेत परमेस्वर जे कहने छेलौ ओहै बात पुरा करतौ कैहके तु बिस्बास करलिही तब परमेस्वर काम करल्कौ।”
थोमा कहल्कै, “हे हमर परभु, हमर परमेस्वर!”
तब पहिने आबल चेला सेहो भितर ढुक्लै। उ यि सब देखके बिस्बास करल्कै।
येसु ओकरा कहल्कै, “तुसब जाबे तलिक अजगुतके कामसब आ चेन्हासब नै देखबिही ताबे तलिक कहियो नै बिस्बास करबही।”
अपनासब आँखसे देखल बातके आधारमे नै, बल्की बिस्बासके आधारमे जियैचियै।
बिस्बासके मतलब आसा करल बातमे निसचयता आ नै देखल बातमे पक्का भरोसा करनाइ चियै।
रजाके करोधसे नै डगमगाके बिस्बासकेसाथ उ मिसरदेस छोरल्कै। कथिलेकी आँखसे देखैले नै सकैबला परमेस्वरके देखल जखा कैरके उ पछा दिसन नै घुमलै।
ओइसबके बिस्बासके कारनसे परमेस्वर ओइसबसङे खुसी भेलै, महज ओकर परतिग्या करल चिज कोइ नै पाबल्कै।
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।