27 तब येसु थोमाके कहल्कै, “तोहर औङरी अते राख आ हमर हाथ देख। हमर कोइखमे आपन हाथ ढुका। तु सङका नै कर बरु बिस्बास कर।”
तब येसु जबाफ देल्कै, “ऐ बिस्बास नै करैबला आ दुस्ट पुस्ता, हम कहियातक तोरासबके सङे रहबौ? कहियातक तोरासबके कमजोर बिस्बासके सहैत रहबौ? ओकरा अते हमरलग आन।”
तब येसु ओकरासबके कहल्कै, “ए थेथर पुस्ता, कहियातक हम तोरासबके बिचमे रहबौ? कहियातक बिस्बासमे कमजोरे रहबिही? तोहर बेटाके हमरलग आन।”
हमर हाथ-टाङसब देख, हम्ही चियौ, हमरा छुइबके देख! कथिलेत भुतके हड्डी-मौस नै रहैछै महज तुसब त देखैचिही, हमर त छै।”
एहेन कैहके उ आपन हाथ-टाङसब देखेल्कै।
तब येसु जबाफ देल्कै, “ऐ बिस्बास नै करैबला आ थेथर पुस्ता, हम कहियातक तोरासबसङे रहबौ आ तोरासबके कतेक दिनतक सहैत रहबौ? तोहर बेटाके अते आन।”
अतेक कहैत येसु आपन हाथ आ कोइख चेलासबके देखेल्कै। उसब परभुके देखके बहुत खुसी भेलै।
औरो चेलासब थोमाके कहल्कै, “हमसब परभुके देखलियै।” महज थोमा कहल्कै, “जबतक हम ओकर हाथमे ठोकल काटीके चेख नै देख्बौ आ कांटी ठोकल खाइधमे औङरी नै ढुकाइबै आ ओकर कोइखमे आपन हाथ नै ढुकाइबै ताबे तलिक हम बिस्बास नै करबौ।”
थोमा कहल्कै, “हे हमर परभु, हमर परमेस्वर!”
लोकसब अपना कतहेक पाप करनेचियै से जानैके लेल परमेस्वर ओकरासबके बेबस्था देल्कै। लोकसबके पाप जतहेक बरहैत गेलै परमेस्वरके अनुगरह ओतहेक बेसिसे बरहैत गेलै।