22 अतेक कैहके उ ओकरासब उपर साँस फुकैत कहल्कै, “पबितर आत्मा ले।
हम पितासे बिन्ती करबै आ उ तोरासबसङे सबदिन रहैके खातिर एक गोरा सल्लाह दैबला पठाइतौ।
“हम पिताके तरफसे तोरासबके लेल सल्लाह दैबला पबितर आत्माके पठादेबौ। उ पितालगसे एल सत आत्मा चियै जे हमर बारेमे गबाही देतै।
महज साँचोके हम तोरेसबके कहैचियौ, हम अतेसे जेबौ तब मातरे तोरासबके असल हेतौ। कथिलेत यदी हम नै जेबौ त तोरासबके सल्लाह दैबला पबितर आत्मा तोरासबके लग नै एतौ। महज जब हम जेबौ, तब हम ओकरा तोरासबके लग पठाइबौ।
तब येसु फेनसे ओकरासबके कहल्कै, “तोरासबके सान्ती मिले! जनङ पिता हमरा पठेल्कै, तहिनङ हम्हु तोरासबके पठाइचियौ।”
जकर पाप तुसब छमा करबिही ओकर पाप छमा हेतौ आ जकर पाप तुसब छमा नै करबिही तकर पाप छमा नै हेतै।”
येसु यि बात पबितर आत्माके बारेमे कहने छेलै, जे पबितर आत्मा ओकरमे बिस्बास करैबलासब पाबैले लागलछेलै। ओइ बखत तक परमेस्वर पबितर आत्माके नै पठेने छेलै, कथिलेत येसु आपन स्वरगके महिमामे घुइमके नै गेलछेलै।
तब पतरुस कहल्कै, “योहो लोकसब हमरासब जखा पबितर आत्मा पाबलाके कारन आब यि लोकसबके पानीके बप्तिस्मा लैले के रोके सक्तै?”
उ ओकरासबके पुछल्कै, “कि तुसब परभुमे बिस्बास कैरके पबितर आत्मा पाबलिही?” तब उसब कहल्कै, “नै, हमसब त सुनन्हु नै चियै कि पबितर आत्मा हैछै।”
पतरुस ओइसबके कहल्कै, “पस्चाताप कर आ तोरौरके पापसे छमा पाबैके खातिर येसु खिरिस्टके नाममे तोरौरके सबकोइ बप्तिस्मा ले, तोरासबके पबितर आत्माके बरदान पाबबिही।
तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
तब पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके पतरुस ओइसबके कहल्कै, “लोकसबके सासक आ अगुवासब,
उ दुनुगोरा ओते पुइगके पबितर आत्मा पाबे कैहके ओइसबके खातिर परथना करल्कै।
हम तोरासबसे एकटा बात पुछैले चाहैचियौ, तुसब कनङके पबितर आत्मा पाबलिही? कि तुसब मोसाके बेबस्था पालन कैरके पबितर आत्मा पाबनेचिही? नै, महज तुसब सुसमाचार सुइनके बिस्बास करलासे पबितर आत्मा पाबनेचिही।