18 तब मरियम मग्दलिनी चेलासब लग ज्याके कहल्कै कि “हम परभुके देखलियै!” तब येसुके कहल सब बात ओइसबके कैहदेल्कै।
ओइसबमेसे मरियम मग्दलिनी, याकुब आ योसेफके माँ मरियम आ जब्दियाके बेटासबके माँ छेलै।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “नै डराइ जाइजो, ज्याके हमर भाइसबके गालिलमे जाइले कैहदहै। ओतै उसब हमरा देखतै।”
ओइ जनिजाइतसबमे मरियम मग्दलिनी, योअन्ना आ याकुबके माँ मरियम छेलै। ओकरेसबसङे रहल औरो जनिजाइतोसब यि बात परेरितसबके कहल्कै।
येसुके कुरूसके लगमे आपन माँ, आपन मौसी, क्लोपासके घरबाली मरियम आ मरियम मग्दलिनी ठारभेल छेलै।
रैबदिन मरियम मग्दलिनी भोरे चिहानमे एलै आ उ चिहानके मुहमे राखल पथल हट्याल देखल्कै।