16 तब येसु मरियमके कहल्कै, “मरियम!” उ घुइमके हिबरु भसामे कहल्कै, “रब्बी!” जकर अरथ “गुरु जी” चियै।
तब तुरन्ते येसु ओइसबके कहल्कै, “नै डरा, हम्ही चियौ, साहस कर।”
येसु ओकरा पुछल्कै, “तु कथी चाहैचिही? हम तोहर लेल कथी कैरदेबौ?” उ कहल्कै, “परभु, हम देखैले चाहैचियै।”
महज येसु ओकरा कहल्कै, “ए मारथा, तोहे बहुत बातसबसे चिन्ता करैचिही आ उदास रहैचिही।
येसु पछामाथे घुइमके ताकल्कै त ओइसबके आपन पछा लागल देखके पुछल्कै, “तुसब कथी ताकैचिही?” उसब जबाब देल्कै, “रब्बी, (जकर अरथ गुरु जी चियै) अहाँ कते रहैचियै?”
नथानेल जबाब देल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके बेटा चियै! अहाँ त इजराएलके रजा चियै।”
ओकरलेल घर रखबारी करैबला केबार खोइलदैछै आ भेंरासब ओकर बोली चिन्हैछै। उ आपन भेंरासबके नाम ल्याके ल्याके बोलाइछै आ ओकरासबके बाहर निकालैछै।
अतबेक कहैके मारथा गेलै आ आपन बहिन मरियमके एक कातमे बोल्याके कहल्कै, “गुरु जी एते एलछै आ तोरा बोल्यारहल छौ।”
तुसब त हमरा ‘गुरु’ आ ‘परभु’ कहैचिही। यि त तुसब ठिके कहैचिही, कथिलेत हम ओह्या चियौ।
थोमा कहल्कै, “हे हमर परभु, हमर परमेस्वर!”
राइतमे उ येसु लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके पठाल गुरु चियै से हमसब जानैचियै, कथिलेत अहाँके करल अजगुतके कामसब जखा कोनो लोक परमेस्वरके सहायता बेगर करैले नै सक्तै।”
यरुसलेम सहरमे भेरा-केबारके लगमे एकटा पोखैर छेलै। जकरा हिबरु भसामे बेथस्दा कहैछै, जकर चारुकात पाँचटा दलान छेलै।
लोकसब तालके ओइ कात येसुके कहल्कै, “गुरु जी, अहाँ अते कहिया एलियै?”
एक दिन करनेलियस दिनके तिन बजे परमेस्वरके एकटा स्वरगदुतके दरसनमे अस्पस्ट रुपसे देखल्कै। स्वरगदुत आइबके करनेलियसके कहल्कै, “ऐ करनेलियस।”
उ भुइयामे खैसपरलै आ तखुन्ते एकटा एहेन अबाज सुनल्कै, “साउल, साउल, तोहे कथिले हमरा सताबैचिही?”