13 उसब मरियमके पुछल्कै, “ऐ बहिन, तु कथिले काइनरहल चिही।” मरियम ओइसबके जबाब देल्कै, “उसब हमर परभुके उठ्याके ल्यागेलै आ कते घोसाइरके राखनेछै से हम नै जानैचियै।”
तब येसु ओइसबके पुछल्कै, “तुसब आपनमे कथी बात करैत ज्यारहल चिही?” यि बात सुनैतसाथ उसब उदास भ्याके ठडा भ्यागेलै।
जब येसु आपन माँ आ उ चेलाके, जकरा उ परेम करैछेलै, कातमे ठारभेल देखके आपन माँ के कहल्कै, “माँ गै, देख, तोहर बेटा!”
यि बात सुइनके येसु कहल्कै, “माँ, हमरा तु यि बात कथिले कहैचिही? हमर काम करैबला समय अखुन नै एलछै।”
येसु ओकरा कहल्कै, “ऐ बहिन, तु कथिले कानैचिही? ककरा ताकैचिही?” मरियम ओकरा फुलबारीके माली हेतै कैहके कहल्कै, “हजुर, अहाँ परभुके अतेसे ल्यागेल चियै त हमरा कैह दिय कि कते राखने चियै। हम ओकरा ल्याजेबै।”
तब उ सिमोन पतरुस आ येसुके परेम करैबला दोसर चेला लग दौरते ज्याके कहल्कै, “उसब परभुके चिहानसे बाहर ल्यागेलै आ ओकर लहास कते राखनेछै से हमसब नै जानैचियै।”
महज पावल कहल्कै, “तुसब कथिले काइनके हमर मनके तोरैचिही? हम त यरुसलेममे बन्हाइले मातर नै, महज हम त परभुके लेल मरैयोले तैयार चियै।”