13 यहुदीसबके निस्तार पाबैन लगच्या गेल छेलै। तहै समयमे येसु यरुसलेम गेलै।
तब येसु मन्दिरमे गेलै आ किनबेच करैबलासबके ओतेसे बाहर निकाइलदेल्कै। उ पैसा भजाइबलाके टेबुलसब आ पेरबा बेचैबलासबके बैठैबला पिढियासब उल्टा-पुल्टा देल्कै।
तब उसब यरुसलेम पहुचलाके बाद येसु मन्दिर भितर ढुकलै, तब मन्दिरमे बेचैबला आ किनैबलासबके बाहर निकालल्कै, पैसा भजाइबलासबके टेबुलसब आ पेरबा बेचैबलासबके बैठैबला पिरहिया उल्टा पुल्टा देल्कै।
तब येसु परमेस्वरके मन्दिरके अङनामे ढुकलै आ बेचबिखन करैबलासबके निकालल्कै।
हरेक बरिस मरियम आ योसेफ निस्तार पाबैनमे यरुसलेम जाइ छेलै।
तकरबाद यहुदीसबके निस्तार पाबैन लगच्या गेलछेलै आ गाम-गामसे बहुतो लोकसब पाबैनसे पहिने अपनाके सुध करैले यरुसलेममे गेलै।
निस्तार पाबैनसे पहिने, येसु अइ सन्सार छोइरके पितालग जाइबला समय आइबगेल छै से उ जानैछेलै। तब उ सन्सारमे भेल आपन चेलासबके परेम करल्कै आ अन्तिम समयतक उसबके परेम कैरते रहलै।
जब येसु निस्तार पाबैनके बखत यरुसलेममे छेलै, तै बखत बहौत लोकसब ओकर अजगुतके कामसब देखके उसब ओकरमे बिस्बास करल्कै।
कुछदिन बाद यहुदीसबके एकटा पाबैनमे येसु यरुसलेम गेलै।
तै बखत यहुदीसबके निस्तार पाबैन लगचियाल छेलै।