11 अहिनङे येसु सबसे पहिन्का अजगुतके काम गालिल परदेसके (परगना) काना सहरमे करल्कै। उ आपन महिमा परगट करल्कै, तब ओकर चेलासब ओकर उपर बिस्बास करल्कै।
तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ आपनौरके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।
कथिलेत बेबस्था मोसासे एलै, महज अनुगरह आ सत्यता येसु खिरिस्टसे एलै।
तकर बिहानके येसु गालिल इलाका जाइले निरनय कैरके निकललै। तहै बखत ओकरा फिलिपसङे भेट भेलै आ उ ओकरा कहल्कै, “हमर पछा लाग।”
येसु ओकरा जबाब देल्कै, “हम तोरा अन्जिरके गाछ तरमे देखलियौ कहलियौ त तु बिस्बास करलिही? तु त अहौसे बरका-बरका कामसब देखबिही।”
ओइ बखत बहुतो लोक ओकरलग एलै। उसब कहल्कै, “युहन्ना कोनो अजगुतके काम नै करल्कै महज युहन्ना येसुके बारेमे जे कुछ कहने छेलै उ सब बात सत छेलै।”
तोरासबके खातिर हम ओते नै भेलासे खुसी चियै, ताकि तुसब बिस्बास करेसक। महज तैयो अपनासब ओकरलग चल।”
तब मुल पुजारीसब आ फरिसीसब महासभाके सदससबके बोल्याके कहल्कै, “आब अपनासब कथी करबै? यि लोक त बहुतो अजगुतके कामसब कैररहलछै।
येसु एहेन अजगुतके काम करने छै कैहके भेटैले भिरके लोकसब ओकरलग गेलै।
येसु लोकसबके अगा बहुतो अजगुतके कामसब करल्कै, तैयो उसब ओकरमे बिस्बास नै करल्कै।
यसैया यि बात कहल्कै, कथिलेकी उ येसुके महिमा देखल्कै आ ओकर बारेमे बाज्लै।
तुसब हमर नाममे जे कुछ माङबिही, ओइसे बेटासे पिताके महिमा हेबे कैहके हम पुरा कैरदेबौ।
पिता आपनेसे तोरासबके परेम करैछौ, कथिलेत त तुसब हमरा परेम करनेचिही आ हम परमेस्वर लगसे एलचियै से तुसब बिस्बास करनेचिही।
आब हमसब जाइन गेलियै, कि अहाँ सब बात जानैचियै। आब अहाँसे ककरो नै कोनो सबाल करे परतै। अहै कारन हमसब अहाँमे बिस्बास करैचियै, कि अहाँ परमेस्वरसे पठ्याल चियै।”
तेसर दिन गालिल परदेसके काना सहरके एकटा घरमे बियाह छेलै। येसुके माँ सेहो ओतै रहै।
जब येसु निस्तार पाबैनके बखत यरुसलेममे छेलै, तै बखत बहौत लोकसब ओकर अजगुतके कामसब देखके उसब ओकरमे बिस्बास करल्कै।
राइतमे उ येसु लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके पठाल गुरु चियै से हमसब जानैचियै, कथिलेत अहाँके करल अजगुतके कामसब जखा कोनो लोक परमेस्वरके सहायता बेगर करैले नै सक्तै।”
फरिसीसब एहेन बात सुन्नेछै से बात जाइनके येसु यहुदिया परदेस छोइरके फेनो गालिल परदेसमे चैलगेलै।
येसु फेनो गालिलके काना सहरमे एलै। जते उ पानीके अङगुरके मध बनाइने छेलै। ओइठाम एक गोरा सरकारी हाकिम छेलै, जकर बेटा कफरनहुममे बिमार रहै।
यहुदियासे गालिलमे आइबके येसुके करल यि दोसर अजगुतके चेन्हा छेलै।
ताकि सबकोइ बेटाके आदर करे, जनङ उसब पिताके आदर करैछै। जे कोइ बेटाके आदर नै करैछै, उ लोक बेटाके पठाइबला पितोके आदर नै करैछै।
तब उ लोकसब येसुके करल अजगुतके काम देखके कहेलाग्लै, “अपनासबके आस करल सन्सारमे आबैबला अगमबक्ता साँचोके एह्या चियै।”
लोकसबके बरका भिर येसुके पछा-पछा जाइलेलाग्लै, कथिलेत रोगी-बिमारीसबके उपर करलहा येसुके अचमके कामसब उसब देखने रहै।
येसु ओइसबके जबाब देल्कै, “हम तोरासबके साँचोके कहैचियौ, तुसब अचमके कामसब देखके नै महज रोटी ख्याके अगहेलासे हमरा ताकैचिही।
उसब फेनो ओकरा कहल्कै, “अहाँ कोन अचमके काम देखाइबै, जे देखके हमसब बिस्बास करब? अहाँ कथी करबै?
तैयो भिरके बहुतो लोकसब ओकर उपर बिस्बास करल्कै। तब उसब कहल्कै, “जब खिरिस्ट एतै, तब कि उ यि लोकके करलहासे बेसी अजगुतके कामसब करतै?”
कोनो-कोनो फरिसीसब कहल्कै, “यि लोक परमेस्वर दिसनसे नै एलछै, कथिलेत उ पबितर बिसराम दिनके पालन नै करैछै।” महज दोसर लोकसब कहेलाग्लै, “जे पापी हेतै, उ एहेन अचमके चेन्हासब कनङके देखाइले सक्तै?” अहै बातमे ओइसबके आपनमे मतभेद भ्यागेलै।
हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
अपनासबके अखैन भोगल दुख पछा आबैबला बरका अनन्तके सुख समैझके त साँचे यि कुछो नै चियै।
“अन्हारमे इजोत चम्के” कहैबला परमेस्वरे हमरासबके हिरदयमे इजोत चमकाइनेछै। अहैलेल परमेस्वरके महिमा महान चियै कैहके हमसब जानैचियै। साँचोके उ महिमामय ग्यानके इजोत खिरिस्टके चेहरामेछै।
तुसब परमेस्वरके बेटाके नाममे बिस्बास करैबलासबके हम यि चिठी लिखैचियौ, ताकी तुसब अनन्त जिबन पाबनेचिही कैहके थाह हेबे।