41 जै ठाम येसुके कुरूसमे लटकाइने रहै, ओइठाम एकटा फुलबारी छेलै। ओइ फुलबारीमे कहियो नै कोनो लहास राखल एकटा चिहान छेलै।
आ उ चटानमे खुइनके बनल आपने लबका चिहानमे राइखके चिहानके मुहमे बरका पथल गुरकाके बन्द कैरदेल्कै आ ओतेसे चैलगेलै।
अनुमति पाबलाके बाद उ लहासके कुरूससे निचा झाइरके छनगर कफनसे लपेटल्कै आ चटानमे खाइध खुइनके बनाएल सरामे राखल्कै। ओइ सरामे पहिने ककरो नै राखने छेलै।
यहुदीसबके तैयारीके दिन भेलाके कारन आ चिहान लगमे भेलासे उसब येसुके लहास ओहैमे राखल्कै।
येसु ओकरा कहल्कै, “ऐ बहिन, तु कथिले कानैचिही? ककरा ताकैचिही?” मरियम ओकरा फुलबारीके माली हेतै कैहके कहल्कै, “हजुर, अहाँ परभुके अतेसे ल्यागेल चियै त हमरा कैह दिय कि कते राखने चियै। हम ओकरा ल्याजेबै।”