39 तब रात-रातके येसु लग आबैबला निकोदेमस ओहो योसेफसङे रहै। उ तेतिस किलो मुर्र आ एलवाके गाछसे फेटके बन्याल मगमग गम्कौवा अतर ल्याके एलै।
नै त उ सरल नरकटके तोरतै आ नै मिरी-मिरी बरैबला डिबियाके बुतेतै। अन्तमे उ नियाइके जितमे पुगेतै।
महज जेसब अखुन अगा छै, उ पछा हेतै आ जेसब अखुन पछा छै उसब अगा हेतै।”
तब उसब घर भितर ढुकलै आ माँ मरियम सङे बालकके देखल्कै। तब ठेङहुनिया द्याके ओकरा गोरलागल्कै आ तब आपन-आपन पेटी खोइलके सोना, सुगन्ध दैबला धुप आ महग अतरके तेल भेटी चरहेल्कै।
पबितर बिसरामके दिन बितलाके बाद मरियम मग्दलिनी, याकुबके माँ मरियम आ सलोमी येसुके लहासमे लगाबैले गमकौवा तेल आ अतर किनल्कै।
तब मरियम करिब अधा लिटर बहौत महग अतरके गमकौवा तेल आइनके येसुके टाङमे लग्यादेल्कै आ आपन केससे पोइछ देल्कै। ओइ तेलके गमकसे पुरे घर गमगम करेलाग्लै।
तब येसु कहल्कै, “भेलै, अकरा कुछो नै कही, हमरा गारैबला दिनके तयारीके लेल यि गमकौवा तेल बचाके राखने छेलै।