36 “ओकर एकोटा हडी नै टुटतै” से धरमसास्तरमे लिखल बात पुरा हेबे कैहके यि भेल छै।
अगमबक्तासे परमेस्वरके कहल बचन पुरा हैकेलेल यीसब भेल छै-
“हम तोरासबके बारेमे नै कैहरहल चियौ, जकरा-जकरा हम चुन्ने चियै ओकरासबके जानैचियै। महज पबितर धरमसास्तर पुरा हेबे कैहके ‘जे हमर रोटी खाइछै ओह्या हमर बिरोधमे आपन एरी उठाइनेछै।’
यि देखके उसब आपसमे कहल्कै, “एकरा नै फारु, महज यि ककर भागमे परतै से चिठा लगबु।” पबितर धरमसास्तरमे लिखल बात अनङके पुरा भेलै, “उसब हमर बस्तरसब आपसमे बाटल्कै आ हमर बस्तरके लेल चिठा लगेल्कै।” तैल्याके सिपाहीसब ओहिनङे करल्कै।
जब येसु सबकाम पुरा भेलै कैहके थाह भेलै से जाइनके पबितर धरमसास्तर पुरा हैके उदेस्यसे “हमरा पियास लाग्लै” कहल्कै।