26 जब येसु आपन माँ आ उ चेलाके, जकरा उ परेम करैछेलै, कातमे ठारभेल देखके आपन माँ के कहल्कै, “माँ गै, देख, तोहर बेटा!”
ओकर चेलासबमेसे एक गोरे, जकरा येसु परेम करैछेलै, उ ओकरे कातमे ओङैठके बैठल छेलै।
यि बात सुइनके येसु कहल्कै, “माँ, हमरा तु यि बात कथिले कहैचिही? हमर काम करैबला समय अखुन नै एलछै।”
तब उ सिमोन पतरुस आ येसुके परेम करैबला दोसर चेला लग दौरते ज्याके कहल्कै, “उसब परभुके चिहानसे बाहर ल्यागेलै आ ओकर लहास कते राखनेछै से हमसब नै जानैचियै।”
पतरुस पछा दिसन घुइमके ताकल्कै त येसु जकरा परेम करैछेलै से चेलाके पछा पछा आबैत देखल्कै। (उ उहे चेला छेलै जे राइतके खाइ बखत येसुके छातिमे ओङहैठके, “परभु अहाँके पकराबैबला के चियै” कैहके पुछने छेलै।)
यि ओह्या चेला चियै, जे यि सब बातके बारेमे गबाही द्यारहलछै। ओह्या यि लिखने छै आ ओकर गबाही सत छै कैहके हमसब जानैचियै।
तखुन येसुके सबसे बेसी परेम करैबला चेला पतरुसके कहल्कै, “उ त परभु चियै!” पतरुस यि बात सुनते मातर आपन बस्तर डारमे लपेटल्कै (उ काम करैके लेल बस्तर खोल्ने छेलै) आ तालमे झौफ देल्कै।