11 येसु जबाब देल्कै, “यदी परमेस्वर अहाँके कोनो अधिकार नै देने रहतियौ त हमर उपर अहाँके कोनो अधिकार नै रहतियै। तै खातिर हमरा तोहर हाथमे सोपै बलासब औरो बेसीसे पापके भागिदार हेतै।”
यि बात सुन्ते मातर परधान पुजारी आपन बस्तर फाइरके बाज्लै, “उ त इस्वर निन्दा करल्कै। तुसब त इस्वर निन्दा सुन्बे करलिही। आब कथिले अकर बिरोधमे हमरासबके कोनो परमान चाही?
तब उसब ओकरा बाइन्हके लगेलै आ बडा हाकिम पिलातसके जिमा लगादेल्कै।
हमरासबके पापमे फसाइबला बातसबसे दुर राखु आ दुस्टसे बचाबु। [कथिलेत राज, पराकरम आ महिमा जुगो-जुग तक अहैके चियै, आमेन।’]
धोखा दैबला यहुदा येसुके पकराबैके लेल एकटा चेन्हा देने रहै, “जकरा हम चुमा लेबौ ओहे लोकके तुसब पकैरके पहरेदारके रोहबरमे लजैहे।”
हम सबदिन मन्दिरमे तोरेऔरकेसङे छेलियौ। महज हमरा पकरैले तोरौरके साहस नै करलिही। आब तोरौरके काम करैबला समय उहे चियौ आ सैतानके सक्ती ऐहनङे राज करतौ।”
तकरबाद उसब पहिने येसुके हन्नासके लग ल्यागेलै, जे ओइ बरिसके परधान पुजारी कैयाफाके ससुर छेलै।
तैबखत यहुदा सिपाहीसबके एकटा दल, मुल पुजारीसब आ फरिसीसबसे पठ्याल पहरेदारसबके ल्याके ओते एलै। उसब आपन साथमे लालटेम, उँकासब आ हाथ-हथियारसब बोक्ने छेलै।
पिलातस ओकरा पुछल्कै, “कि तु हमरसङे नै बाजबिही? तोरा कुरूसमे लटकाइयोके आ बचाइयोके अधिकार हमरा छै। कि तु नै जानैचिही?”
युहन्ना जबाफ देल्कै, “जाबेतक परमेस्वरसे नै देतै ताबे तक लोकके कुछो नै मिल्तै।
तैखातिर उसब येसुके पकरैले ताकैछेलै, महज कोइ नै ओकर उपरमे हाथ लगाइल्कै। कथिलेत ओकर समय अखुन तलिक नै एलछेलै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “यदी तुसब अन्हर रहतिही त पापके दोसी नै हेत्ही, तुसब त ‘हमसब देखैचियै’ कहैचिही, अहैसे तुसब दोसी रहलिही।”
परमेस्वरके आपन निस्चित योजना आ ग्यान अनुसार पकरल गेलै। एह्या येसुके अधरमी लोकसबके हाथसे तुसब कुरूसमे किल्ला ठोइकके मारलिही।
अबराहम, इसहाक आ याकुबके परमेस्वर, अपनासब पुरखासबके परमेस्वर आपन सेबक येसुके महिमीत करल्कै, जकरा अहाँसब पकराइलियै आ पिलातस ओकरा छोइरदैके बिचार करल्कै तैयो अहाँसब ओकरा पिलातसके अगामे इन्कार करलियै।
ओह्यासब करैले अहाँ आपन सक्तिसे आ आपन योजना अनुसार निस्चित करने रहिहे।
कथिलेत सब चिज ओकरे सिरिस्टी चियै आ ओकरेसे बनलछै आ ओकरे लेल बन्याल छै। ओकर महिमा सबदिन हैतरहे! आमेन।
सबलोक सासन करैबला सासकसबके अधिनमे रहैले परतौ, कथिलेत परमेस्वर ओइसबके सासन करैबला अधिकार देनेछै। ओइसबके परमेस्वरे छान्नेछै।
सब असल आ सब सिध दान स्वरगसे आबैछै। यि बरदान इजोतके पितासे आबैछै। उ छाह जखा कहियो नै बदलैछै।
कोइ असल करे परैछै कैहके बुझने रहैछै महज बुझियोके नै करैछै त, उ पाप करैछै।