38 पिलातस ओकरा कहल्कै, “सत कथी चियै?” अतबेहेक कैहके उ बाहर निकैलके यहुदीसब लग गेलै आ कहल्कै, “हमरा एकरमे कोनो दोस नै भेटलै।
जखन पिलातस येसुके बचाइबला यि उपाय असफल हैत मातरे नै बल्की अइसे उपदरब मैच जेतै देखल्कै, तै डरसे पानी ल्याके भिरके अगा आपन हाथ धोवाइत कहल्कै, “अइ लोकके लहुके दोसी हम नै चियै। तुहिसब अइ बातके जिम्मेबार हेब्ही!”
तब पिलातस फेनो ओइसबके कहल्कै, “कथिले? यि लोक कोनो खराबी करने छै से?” महज उसब औरो जोर-जोरसे हल्ला करतै रहलै, “अकरा कुरूसमे लटका!”
पिलातस मुल पुजारीसबके आ भिर लागल लोकसबके कहल्कै, “हमरा यि लोकमे कोनो दोस नै भेटल।”
तब पिलातस फेनो दरबार भितर गेलै आ येसुके बोल्याके कहल्कै, “कि तु यहुदीसबके रजा चिही?”
पिलातस फेनो बाहर निकैलके भिर लागल लोकसबके कहल्कै, “देख! हम अकरा बाहर आनैचियौ, जै से तुसब जाइन लेब्ही जे अकरामे कोनो दोस हमरा नै भेटलै।”
तब मुख पुजारी आ सिपाहीसब येसुके देखैत मातर हल्ला करैत कहेलाग्लै, “अकरा लटका, अकरा कुरूसमे लटका!” पिलातस ओइसबके कहल्कै, “तुहिसब अकरा ल्याजो आ कुरूसमे लटका। हमरा त अकरमे दन्ड दैबला कोनो दोस नै भेटलै।”
लोकसब मैरके जि उठैछै से बात सुइनके ओतेका कतहेक लोक पावलके मजाक उराइल्कै। महज कोइ-कोइ कहल्कै, “यि बात फेनो हमसब सुनैले चाहैचियै।”
महज येसु खिरिस्टके निरदोस आ अनमोल लहुसे तोरासबके छुटकरा देनेछौ। उ सुध आ निस्खोट बैलभोगमे चरहाबैबला थुमा छेलै।