28 तकरबाद उसब येसुके कैयाफाके घरसे रोमी सासकके दरबारमे ल्यागेलै। ओइ बखत अनगुत भेल छेलै। असुध नै हेबे महज निस्तार पाबैनके भोज खाइले सकि कैहके उसब दरबार भितर नै गेलै।
तकरबाद बडा हाकिमके सिपाहीसब येसुके राज महलमे ल्यागेलै आ पुरे पलटन ओकरा चारु कातसे घेरल्कै।
तब सिपाहीसब येसुके दरबार भितरमे ल्यागेलै। जकरा पेरेटोरियन कहैछै आ ओते आपन पल्टनके सब सिपाहीसबके भेला करल्कै।
तब बिहान भेलाके बाद अगुवासब, मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब जमा भेलै आ येसुके आपन महासभामे लगेलै।
तकरबाद यहुदीसबके निस्तार पाबैन लगच्या गेलछेलै आ गाम-गामसे बहुतो लोकसब पाबैनसे पहिने अपनाके सुध करैले यरुसलेममे गेलै।
तकरबाद उसब पहिने येसुके हन्नासके लग ल्यागेलै, जे ओइ बरिसके परधान पुजारी कैयाफाके ससुर छेलै।
तब सिमोन पतरुस आ औरो एक गोरे चेला येसुके पछा-पछा गेलै। दोसर चेला परधान पुजारीके चिन्हलाके कारन येसुसङे परधान पुजारीके अङनामे गेलै।
तब पिलातस फेनो दरबार भितर गेलै आ येसुके बोल्याके कहल्कै, “कि तु यहुदीसबके रजा चिही?”
निस्तार पाबैनमे तोरासबके चलन अनुसार हमरा तोरासबके खातिर एक गोरे कैदीके छोइरदैके छै। तैखातिर हम ‘यहुदीसबके रजाके’ छोइरदेबौ से चाहैचिही?”
येसु जबाब देल्कै, “यदी परमेस्वर अहाँके कोनो अधिकार नै देने रहतियौ त हमर उपर अहाँके कोनो अधिकार नै रहतियै। तै खातिर हमरा तोहर हाथमे सोपै बलासब औरो बेसीसे पापके भागिदार हेतै।”
तै बखत निस्तार पाबैनके तैयारीके दिन छेलै आ लगभग दुपहर भेल छेलै। नियाइ आसनमे बैठल पिलातस यहुदीसबके कहल्कै, “देख, तोरासबके रजा!”
उ फेनो दरबार भितर ज्याके येसुके पुछल्कै, “तु कतेके चिही?” महज येसु ओकरा कोनो जबाफ नै देल्कै।
पतरुस ओइसबके कहल्कै, “तोरासबके थाहे छौ कि, आन जातीसबसे सङहत करनाइ, ओइसबसङे भेटघाट करनाइ यहुदीके लेल अनुचित बात चियै। तैयो परमेस्वर हमरा कोनो लोकके अपबितर आ असुध नै बुझहैकेचाही से देखाइनेछै।
आब तु अनङ कर, योप्पा सहरमे एल्हा पतरुस कहाइबला सिमोनके बोलाइले पठा। उ समुन्दर कात छलाके काम करैबला सिमोनके घरमे ठहरल छौ।’
“खतना नै भेल्हा लोकसब लग ज्याके ओइसबसङे अहाँ कथिले खानपिन करलियै?”
अबराहम, इसहाक आ याकुबके परमेस्वर, अपनासब पुरखासबके परमेस्वर आपन सेबक येसुके महिमीत करल्कै, जकरा अहाँसब पकराइलियै आ पिलातस ओकरा छोइरदैके बिचार करल्कै तैयो अहाँसब ओकरा पिलातसके अगामे इन्कार करलियै।
“साँचोके अहाँके अभिसेक करल पबितर सेबक येसुके बिरोधमे हेरोद आ पन्तियस पिलातस दुनुगोरा आन जात आ इजराएलीसबसङे अहै सहरमे जमा भेलरहै।